कलकत्ता. जनकनंदिनी जानकीक आराधना स्थानीय तारासुन्दरी पार्क मे मिथिला महिला मंच दिस सं आयोजित जानकी नवमी (मैथिली दिवस) अवसर पर कयल गेल. सीताक पूजा सं संस्कार जिबैत रहैछ. मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा सियाक आराधना कें आजुक खगता बतओलनि. ओ कह्लनि जे राम कें पुरुषोत्तम बनबय मे सीताक भूमिका महत्वपूर्ण रहल अछि. कार्यक्रम मे भारी संख्या मे महिला लोकनि जानकीक सामूहिक आरती कयलनि. मिथिलाक पंडित सभ द्वारा पूजा-अर्चना क' उपस्थित भक्त लोकनिक बीच मिथिलाक पारंपरिक प्रसाद बांटल गेल. जानकी नवमीक अवसर पर मिथिला महिला मंचक अध्यक्षा शैल झा, राघवेंद्र झा, सुबोध झा, उदय कांत मिश्र, बिल्टू राय, बिनय कुमार प्रतिहस्त, रूपा चौधरी, अरुण कुमार झा, सुनयना झा, किरण प्रतिहस्त, विनोद झा, गौरी शंकर मिश्र, संगीता झा बेबी, शिक्षा झा सहित अनेक लोक उपस्थित छलाह.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Connect