
रंगकर्मी बब्बन ठाकुर, अशोक झा, रूपा चौधरी, गोपीकांत झा 'मुत्रा', नारायण ठाकुर, संगीता झा बेबी अभिनय कौशल सं दर्शक कें अंत धरि बन्हने रहलाह. नाटकक नाटयकार, निर्देशक एवं गीतकार अशोक झा छलाह. पार्श्व गायक विवेक कुमार झा, कुमारी भावना प्रतिहस्त नाटक मे प्रयोग कयल गेल गीत कें सफलता पूर्वक प्रस्तुत कयलनि. नाटक गाम सं निकलल आ उंच पद पर पहुंचल युवकक माय-बापक प्रति सुप्त सिनेह पर व्यंग छल. नाटकक सफल मंचन मे अरुण कुमार झा, राघवेंद्र झा, रघुनाथ चौधरी, अशोक कुमार झा 'भोली', गौरीशंकर मिश्र, कुमारी शिक्षा झा केर सराहनीय भूमिका रहल.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)