
प्रबंधन सदिखन मैथिली साहित्य आ नाटक कें प्रोत्साहित करैत आबि रहल अछि. एहि बेर जयश्री टेक्सटाइल्स केर उपाध्यक्ष डॉ अरुण कुमार सिन्हा कें मिथिलाक पहिचान पाग-दोपटा आ सम्मान पत्रक संग सम्मानित कयल जायत. वर्ष 1982मे स्थापित मिथिला कल्याण परिषद जयश्री टेक्सटाइल्समे काज केनिहार मैथिल द्वारा संचालित कयल जा रहल अछि.
स्मरणीय अछि जे पूर्वमे मिथिला कल्याण परिषद, रिषड़ाक तत्वावधानमे प्रख्यात नाट्य निर्देशक-अभिनेता दयानाथ झा केर निर्देशनमे कएकटा मैथिली नाटकक सफ़ल मंचन भ' चुकल अछि आ एहिबेर हुनक अनुज नाट्य निर्देशक-अभिनेता भवनाथ जी “काठक लोक”क निर्देशन क' रहल छथि. (Report: भास्कर झा )