जुड़िशीतल पर राजधानी दिल्ली मे मैथिल जुटान

नव दिल्ली. मिथिला मे लोकप्रिय, प्रकृति प्रेमक प्रतीक पर्व जुड़िशीतल केर आयोजन शनिदिन राजधानी दिल्ली मे कयल गेल. 'यूथ ऑफ मिथिला' आ 'माटी' द्वारा आयोजित कार्यक्रम मे मैथिल लोकनि बहुसंख्या मे भाग लेलनि. जुड़िशीतलक उपादेयता पर चर्चा करैत कार्यक्रम संयोजक भवेश नंदन झा कहलनि जे ग्लोवल वार्मिंगक दौर मे एहि पर्वक उपयोगिता आ सार्थकता बढ़ल अछि. कार्यक्रम कें संबोधित करैत पूर्व केन्द्रीय मंत्री संजय पासवान जुड़िशीतल कें परंपरा केर प्रतीक बतओलनि. बिहार विधानसभा मे भाजपाक मुख्य सचेतक विधायक विनोद नारायण झा केर कहब छलनि जे मिथिलाक संस्कृति पुरातन आ पावन अछि.
एहि अवसर पर लेखिका व नेत्री मृदुला सिन्हा, यूथ ऑफ मिथिला केर सचिव अमिताभ भूषण, कमलेश किशोर झा, आशुतोष झा, भाजपाक राष्ट्रीय सचिव अनिल जैन, वरिष्ठ भाजपा नेता गोपाल झा, बिहार युवा भाजपाक उपाध्यक्ष सरफराज हुसैन, पत्रकार अनुरंजन झा, वीरेंद्र चौधरी, उमेश चतुर्वेदी, दीपक कुमार, अविनाश दास, रौशन कुमार झा, वरिष्ठ प्रशासनिक पदाधिकारी प्रभाष दास, आर. एन. झा, अवधेश झा, सामजिक कार्यकर्त्ता आमिर खुसरो, क्रांति प्रकाश, के. एन. झा, राजेश झा, नीरज पाठक, अभिषेक पांडे, रामचन्द्र झा, संजीव सिन्हा, जयराम विप्लव, विजय झा आदि उपस्थित छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post