जुड़िशीतल पर आयोजित भेल दू दिना महोत्सव

दड़िभंगा. जुड़िशीतल पर लहेरियासरायक रामाश्रय राय पब्लिक स्कूलमे दू दिना मिथिला महोत्सव आयोजित भेल. मैथिली लोक संस्कृति मंच लहेरियासराय द्वारा आयोजित एहि महोत्सवक पहिल दिन अर्थात शनिदिन आयोजन  दू सत्र मे विभाजित छल. पहिल सत्र मे आगत विशिष्ट जन संबोधित कयलनि त'  सत्र मे सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल.
पहिल सत्र  केर कार्यक्रमक अध्यक्षता मैथिल पुत्र प्रदीप कयलनि. उद्घाटन राजकिशोर झा द्वारा भेल जे ममता ठाकुर द्वारा गोसाओनिक गीत सं कार्यक्रम आगू बढल. महासचिव केर प्रतिवेदन प्रो उदय शंकर मिश्र प्रस्तुत कयलनि. मुख्य पाहुन विनोद नारायण चौधरी मिथिला केर लोक संस्कृति बचयबाक बेगरता बतओलनि. ओतहि सुदर्शन जी महाराज मिथिला राज्य हेतु ग्रामीण भागीदारी बढयबाक बात कहलनि.  
एहि अवसर पर बाल आयोग अध्यक्ष निशा झा, प्रभात रंजन दास, सुरेश्वर झा, जगदीश साव, डॉ जयशंकर झा आदि उपस्थित छलाह. डॉ चन्द्रकान्त मिश्र केर 'गंगा अवतरण' ओ 'कुंभ महापर्व' पोथीक विमोचन भेल. दोसर सत्र मे कवि गोष्ठी आयोजित छल जकर अध्यक्षता चंद्रेश कयलनि. कवि गोष्ठी मे उमेश 'कल्पकवि', पंकज सत्यम, सीताराम मिश्र, जटा शंकर मिश्र, शत्रुघ्न पासवान 'सहयात्री', रामनरेश राय, अमित मिश्र, मुकुंद मयंक, विद्याकर, रामकुमार झा, चन्दन कुमार झा आदि कविता पाठ कयलनि. गोष्ठीक संयोजक रामकुमार झा  छलाह. ममता ठाकुर ओ टीम द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम बेस रंग जमओने रहल.

मिथिला महोत्सवक दोसर दिन अध्यक्षता सीपीआईक जिला मंत्री रामकुमार झा केलनि आ अतिथीक स्वागत मंचक महासचिव प्रो॰ उदयशंकर मिश्र आ डाँ॰ जयशंकर झा केलनि. एहि अवसरपर उद्घाटन करैत पूर्व केन्द्रीय मंत्री मो॰ अली अशरफ फातमी कहलनि जे मिथिलावासी शिक्षित आ शान्तिप्रिय छथि, संगहि पृथक मिथिला राज्यक माँगकें उचित बतबैत, मैथिली आ मैथिली भाषाक माध्यमसँ नेनासँ लऽ उच्च वर्ग धरि शिक्षा देबाक बातपर जोर देलनि. सांसद कीर्ति आजादक कहब छलनि जे मिथिलाक संस्कृति उच्च कोटिक अछि. अपन संस्कार आ संस्कृतिकें जागृत रखबाक लेल युवासँ अनुरोध केलनि. ओ कहलनि जे संस्कृतक बाद मैथिली सबसँ बेसी शुद्ध भाषा अछि. एडीजीपी राकेश कुमार मिश्र कहलनि जे जँ आन राज्य बनि सकैत अछि तँ मिथिलो बनबाक चाही. सब अतिथीकें पाग आ दोपटा दऽ स्वागत कएल गेल. मंच द्वारा छपाओल स्मारिका "अछिञ्जल"क विमोचन अतिथी सब केलनि.
"मैथिली विका
क अवधारणा" विषयपर विचार गोष्ठी आयोजित कएल गेल. एहि अवसरपर मंचक अध्यक्ष मैथिलीपुत्र प्रदीप, नगर विधायक संजय सरावगी, पूर्व विधान पार्षद दिलीप चौधरी, डाँ॰ बैद्यनाथ चौधरी "बैजू" , डाँ॰ टुनटुन झा 'अचल' , महेन्द्र साह, डा॰ कमरूल हसन आदि कतेको विद्वान लोकनि उपस्थित छलाह.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post