सरस्वतीक पूजा-अर्चना ओ स्मारिका विमोचित

मधुबनी. जिलान्तर्गत सड़रा, मदनेश्वर स्थानमे, विद्याक अधिष्ठात्री देवी सरस्वतीक चारि-दिवसीय  पूजनोत्सव सोमदिन, 18 फरवरी 2013 केँ सोल्लास हवन-विसर्जनक संग संपन्न भेल. ज्ञात हो जे मिथिलाक एहि छोट-छीन गाममे स्थानीय आदर्श सरस्वती पूजा समिति, सड़रा, मदनेश्वर स्थानक तत्वावधानमे पछिला 33 बरखसँ निरंतर देवी सरस्वतीक सार्वजनिक पूजा-अर्चना एवं एहि अवसरपर विविध सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होइत रहल अछि. एहि अवसरपर पूजाक दोसर दिन गामक छात्र-छात्राक लेल संगीत, कविता वाचन, संभाषण एवं क्विज प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल छल जाहिमे करीब पचास गोट प्रतिभागी भाग लेने छल. प्रथम,द्वितीय एवं तृतीय पुरष्कारक अलावे सभ प्रतिभागीकेँ प्रोत्साहन स्वरूप समिति दिससँ सांत्वना पुरष्कार प्रदान कएल गेल. समिति द्वारा आयोजित एहिबेरक पूजाक मुख्य आकर्षण छल, पछिला तीन दशकक अपन क्रिया-कलापक "स्मारिका"क रूपमे लिपीबद्ध करबाक नेयार. गामक एहि सार्वजनिक आयोजनक समाजपर कतेक सकारात्मक प्रभाव पछिला तेंतीस बरखमे पड़लैक तकर आत्मालोचन जे "स्मारिका-2013" केँ रूपमे प्रकाशित कएल गेल. चंदन कुमार झाक संयोजकत्वमे प्रकाशित एहि स्मारिकामे गामक प्रबुद्धजन सभक आलेख, कथा, कविता आदि सम्मिलित कएल गेल अछि. एहि स्मारिकाक संपादन तारा कांत झा छथि. 
एहि स्मारिकाक विमोचन पूजाक तेसर दिन वरिष्ठ आ प्रबुद्ध ग्रामीण द्वारा कएल गेल. स्मारिका विमोचनक अवसरपर आगत अतिथिक स्वागत समितिक वरिष्ठ सदस्य देवचंद्र ठाकुर कएलथिन. मूख्य वक्ता पं. अमरनाथ ठाकुर एहि अवसरपर विद्याक महत्ता, मानव जीवनमे एकर उपयोगिता आ प्रभावक विस्तारसँ वर्णन कएलनि संगहि ग्रामीणसँ अविद्याक त्याग करबाक आह्वान कएलनि. समारोहक अध्यक्षता उमेश चंद्र झा कएलनि. ओ अपन अध्यक्षीय उद्बोधनमे कहलनि जे हमसब आधुनिक शिक्षा आ आर्थिक प्रगतिक बाटपर चलैत-चलैत अपन माटि-पानिक संस्कार, रीति-रिवाज,मातृभाषा आ लोककलाकेँ बिसरि रहल छी आ एहिसँ हमसब अपनहि घरमे एकदिन अपरिचित बनि जायब तेँ व्यक्तिगत जीवनमे प्रगतिक संग समाजिक सरोकारसँ अपनाकेँ जोड़ि राखब आवश्यक अछि. एहिसँ पूर्व हरिश्चंद्र झा अपन संबोधनमे सामाजिक समरसता कायम रखैत, अपन संस्कारक रक्षा करैत, तथा परंपराक निर्वहनक करैत सामाजिक प्रगतिक खगता जनौलनि एवं युवासँ आह्वान कएलनि जे ओ सब समाजमे रचनात्मक परिवर्तनक हेतु एकजुट प्रयास करथि. पं. लोकानंद झा जीवनमे विद्या आ अनुशासनक महत्वपर इजोत दलेनि. मंच संचालक सह कार्यक्रमक संयोजक चंदन कुमार झा समितिक कार्यक्षेत्रमे सामाजिक सरोकारकेँ विशेषरुपेँ सम्मिलित करबाक खगता जनौलनि. धन्यवाद ज्ञापन दुर्गानंद झा द्वारा कएल गेल. एहि अवसरपर गामक सरपंच पशुपति नाथ झा, ललित चंद्र झा, आशुतोष कुमार झा 'मनटुन', आशुतोष झा "बबली", प्रसून कुमार झा, अमित कुमार झा, प्रवीण कुमार 'उगन', प्रवीण ठाकुर, राजेश सिंह, सोनू मण्डल, सुभाष झा, राजीब झा, हरिमोहन झा विशेष सक्रियता देखल गेल. कार्यक्रमक आरंभ तथा समापन सच्चिदानंद झा द्वारा क्रमशः पं.सर्वनारायण झा लिखित "सरस्वती वंदना" तथा 'यात्री' लिखित "भगवान हमर ई मिथिला.."क गायनक संग भेल. विसर्जनक उपरांत समितिक अध्यक्ष रमानंद झा आयोजनक सफलताक लेल सहयोगक हेतु सभ कार्यकर्ताक संगहि ग्रामीणक प्रति आभार प्रकट कएलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post