नव दिल्ली. विगत दस बरखक भाँति एहि बेर पुनः डॉ राजेन्द्र प्रसाद पार्क, पश्चिमी विनोद नगर, दिल्ली स्थित संस्था "विद्यापति मैथिल युवा मंच" बसंत पंचमीक पावन अवसर पर 15 फरवरी 2013 कए सरस्वती पूजनोत्सवक सफलतापूर्वक आयोजन केलक अछि. एहि सुअवसर पर माँ सरस्वतीक सविधि पूजा-अर्चनाक संगहि नेना सभके प्रोत्साहन हेतु कक्षा छ: स' ल' क' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना कि-प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, गायन आ नृत्य प्रतियोगिताक (30 गोट छात्र/छात्रा पुरस्कृत) पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कैल गेल. एहि विशेष अवसरपर संस्थाक विगत बरखक क्रियाकलाप आ लेखक लोकनिक रचनाक एकटा अनुपम संग्रह "स्मारिका" सेहो प्रकाशित कैल गेल. पूजा स्थल पर स्थानीय मैथिल आ अमैथिल दुनू समाजक योगदान निश्चितरूपे एहि सफल आयोजनक रूप मे देखबा मे
आयल. सामाजिक, राजनितिक, विभिन्न
संस्था आ शिक्षाविद
लोकनिक उपस्थिति विशेष आकर्षक रहल जाहि में आम आदमी पार्टी समूह केर संग मनीष
सिसौदिया, बीजेपी केर पूनम झा आज़ाद, चार्टर्ड एकाउंटेंट इंस्टिट्यूटक
चेयरमैन दुर्गादास अग्रवाल, ब्रिटिश लिंगुआक प्रबंध निदेशक डॉ बीरबल झा आदिक संगे मीडियाकर्मी (सौभाग्य मिथिला, दैनिक जागरण, ईटीवी समूह, मिथिमीडिया आ
अन्य) लोकनिक सहयोग वृहत रूप मे देखबा मे
आयल. संस्था द्वारा संचालित
चेरिटेबल अस्पताल "वी एम वाई एम डिस्पेन्सरी" द्वारा निःशुल्क चिकित्सा
परामर्श कैम्प आ संगहि रंग-बिरंगक पत्रिका/कैसेट/मिथिला पेन्टिंग/मुफ्त
नेत्र चिकित्सा शिविर आदिक स्टाल आ श्रद्धालु लोकनिक उपस्थितिसँ पूजा पंडाल
शोभायमान भेल. संध्या आरतीक पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन मे कलाकार-रमेश मल्लिक (संगीत ग्रुप), संजय झा, संजय कुमार झा, पूजा झा, रश्मी
रानी आदि जतय अपन सुमधुर स्वर स' संगीत केर माहौल बनौलाह ओतहि उदघोषक मनीष झा
'बौआभाइ' दर्शकक भरपूर आनंद दैत थोपड़ी बटोरय मे बेस सफल रहलाह. प्रातःकालीन
पूजा-आरती, हवन आ तकरा बाद प्रतिमाक जल प्रवाह हेतु सभ कार्यकर्ता यमुना
जी मे मूर्ति विसर्जित केल
नि.
संस्थाक सक्रिय कार्यकर्ता-एस एन मिश्रा, पं नारायण जी झा, पं हृदय नारायण झा, तपन झा, अमरेन्द्र झा, सीताराम वार्ष्णेय, बृजमोहन मिश्रा, केदारनाथ झा, पशुपतिनाथ झा, आनंद झा, मनिन्द्र झा, संजय झा, प्रफुल झा, मनीष झा, रणधीर झा, दिलीप झा, राघब चौधरी, संतोष चौधरी, विजय झा, सुमन सिंह, उमेश देव, विकास झा, रजनीश झा, पुरुषोत्तम ठाकुर, सुरजीत सिंह, संतोष झा, अमोल झा आदि केर महीनो केर मेहनत आ बुद्धि दात्री माँ सरस्वतीक असीम कृपा स' ई महोत्सव सविधि संपन्न आ सफल भेल. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)