'मैथिलीक तिरस्कारक प्रतिकार'

> मैयूप कयलक स्वर बुलंद
नव दिल्ली. मैथिली-भोजपुरी अकादमी, नव दिल्ली द्वारा रविदिन 13 जनवरी 2013 कें मंडी हाउस स्थित श्रीराम कला केंद्र मे एक कवि सम्मलेन आयोजित कयल गेल छल. अकादमी मे मैथिलीक प्रतिनिधि रहितहुं बेर-बेर मैथिलीक अवहेलना होइत रहल अछि. अकादमीक आने कार्यक्रम जकां ओहू कार्यक्रमक आमंत्रण पत्र भोजपुरी मे छल आ मंच उद्घोषणा सेहो भोजपुरिये मे भ' रहल छल. कार्यक्रम मे भोजपुरीक 11टा कवि आमंत्रित छलाह त'  मैथिलीक मात्र 8टा. एकर संगहि आओर किछु घटना तेहन घटल जे मैथिल युवा लोकनि कें पसिन नहि आयल.
कार्यक्रम मे मैथिल यूथ परिषद् केर 10 सदस्यीय टीम सेहो गेल छल. घटनाक्रम सं परिषद् केर सदस्य लोकनि आक्रोशित भेलाह. परिषद् केर महासचिव मुकेश मिश्र मिथिमीडिया कें कहलनि जे मैथिलीक एहन तिरस्कार सहल नहि जायत.  एहि सम्बन्ध मे दिनांक 14 जनवरी 2013 कें दिल्लीक मुख्यमंत्री श्रीमती शीला दीक्षित कें 'मैथिल यूथ परिषद्' द्वारा उपराग पत्र  पठा देल गेल. परिषद् अकादमी भंग क' मैथिली लेल फराक अकादमी केर मांग केलक अछि.
ज्ञात हो जे मैथिली-भोजपुरी अकादमी केर एहन किरदानी बेर-बेर उजागर भ' रहल अछि जाहि सं मैथिलीभाषी मे रोष व्याप्त अछि. अकादमी मे मैथिली प्रतिनिधि पर सेहो आंगुर उठैत अछि संगहि जे मैथिली साहित्यकार एहन कार्यक्रम सभ मे भाग लैत छथि सेहो एहि लेल दोषी कहल जा रहल छथि. लोकक कहब अछि जे एहन कार्यक्रमक पूर्ण विरोध होयबाक चाही. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

भोजपुरी (मैथिली)-भोजपुरी अकादमी !!!

>मैथिलीक मर्दन, तइयो धनसन 
मैथिली-भोजपुरी अकादमी जखन गठित भेल छल, लोक कने अकचकायल छल. मैथिली प्रेमी किन्नहुं भोजपुरीक संग नहि चाहैत छथि. तखन सरकारी प्रयास केर सराहना भेल. एक दिस बिहार मे चिर उपेक्षित मैथिली कें भोजपुरियो संगे प्रसार-प्रचार हेतु दिल्ली सरकार केर एहि डेग सं हर्ख हो ने हो संतोष अवश्य भेल छल. अकादमी गठनक उद्देश्य आ कार्यक्रम मे मैथिली लेल कनियो कम व्यवस्था नहि देखल गेल अछि. तखन मैथिली कें पितियौत, पिसियौत, ममियौत, मौसियौत आ आब त' समधौत बला घून जे लागल छैक तकर प्रकोप ओतहु देखल गेल. मुदा जे हो मैथिली लेल काज होइत से कम पैघ बात नहि. एम्हर जे एक बात सोझा आयल अछि से अजगुत अछि....READ MORE @ भोजपुरी (मैथिली)-भोजपुरी अकादमी !!!
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post