झुझुआन होइत लगातार 'संपर्क' केर बैसार

कलकत्ता. एहि सालक संपर्क केर पहिल बैसार रविदिन 13 जनवरी 2013 कें भेल. मासक दोसर रवि कें होमयवला मासिक साहित्यिक बैसार नवीन प्रकाशनक कार्यालय कक्ष मे संपन्न भेल. एहि बैसारक अध्यक्षता प्रसिद्ध साहित्यकार नवीन चौधरी कएलनि. निरंतर घटैत साहित्यकारक संख्या एहि बैसार केर अस्तित्वक प्रति चिंतित कयलक. "संपर्क"क बैसार मे आशीष अनचिन्हार, गजल पढलनि त' मिथिलेश कुमार झा अपन टटका कविता प्रस्तुत कयलनि. नवीन चौधरी अपन एक आलेख आ एकटा संस्मरण पढ़लनि. एकर अतिरिक्त रोहित कुमार मिश्र आ दयाशंकर मिश्र सेहो बैसार मे उपस्थित छलाह. मात्र 5 गोट व्यक्तिक उपस्थिती संपर्क कें झुझुआन बना देलक. एहन बात नहि छैक जे ई परिस्थिति पहिल बेर आयल छल मुदा जओं एहिना साहित्यिक गतिविधि कमजोर होइत रहल त' गोष्ठी दिवा स्वप्न भ' जायत. एहि कें ल' किछु दिन पहिने गजलकार आशीष अनचिन्हार एक सोशल साइट पर अपन चिंता सेहो व्यक्त केने छलाह आ नवतुरिया रचनाकार सभक आह्वान केने छलाह.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
 
Previous Post Next Post