मोन पड़लाह जननायक कर्पूरी ठाकुर

पटना. मैथिलक साहित्यिक सांस्कृतिक संस्था चेतना समिति, पटनाक तत्त्वावधानमे 24 जनवरी, 2013 कें विद्यापति भवनमे जननायक कर्पूरी ठाकुरक जयन्ती मनाओल गेल. एहि अवसर पर कर्पूरीजीक सरलता एवं मातृभाषा मैथिलीक प्रेमक उल्लेख करैत कहल गेल जे मैथिली कें संविधानक आठम अनुसूचीमे सम्मिलित करबाक हेतु सर्वप्रथम हुनकहि मुख्यमंत्रित्व कालमे प्रस्ताव पारित कए भारत सरकार कें पठाओल गेल छल. आरम्भमे समितिक सचिव, विवेकानन्द ठाकुर आगत अतिथिक स्वागत करैत साहित्यिक सांस्कृतिक संस्था द्वारा एक राजनीतिज्ञक जयन्ती मनाओल जएबाक कारण कें स्पष्ट कएल. एहि अवसरपर डा. लेखनाथ मिश्र, डा.वासुकीनाथ झा, बच्चा ठाकुर,योगेन्द्रनारायण मल्लिक, डा. रमानन्दझा ‘रमण’, रामबाबूप्रसाद यादव, प्रेमकान्त झा, रामसेवक राय, रघुवीर मोची, जयनारायण ठाकुर आदि जननायक कर्पूरी ठाकुरक प्रसंग अपन संस्मरण/श्रद्धांजलि निवेदित कएल. 
(Report/Photo: रमानन्दझा ‘रमण’)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post