
महाप्रकाशक सेवा-सुश्रुषा'क लेल हुनक जेठ बालक अमित प्रकाश उर्फ सोनूकेँ अपन चाकरीक त्याग सेहो करय पड़ल अछि जाहिसँ आर्थिक संकट आओर बढ़ि गेल अछि. एहि बीच महाप्रकाशक किछु शुभचिंतक साहित्यकार मित्र-मण्डली लोकसँ आर्थिक सहयोगार्थ अपील सेहो कएने छलाह मुदा, प्राप्त जानकारीक अनुसार एखन धरि हुनक परिवार केँ कोनो खास सहयोग नहि भेटल अछि. तखन दिल्लीमे रहनिहार किछु साहित्यकार आ मित्र निरंतर हालचाल पुछैक लेल अबैत रहैत छथि. मोनू अपन पिताक शीघ्र स्वस्थ्य हेबाक लेल लोकसँ इश्वरक प्रार्थना करबाक आस रखैत छथि. दिनसँ दिन हुनक बिगड़ैत स्वास्थ्यपर मैथिली साहित्य जगतमे चिंता पसरल अछि. साहित्यकार गंगेश गुंजन, रमानंद झा 'रमण', रामलोचन ठाकुर, अनलकांत, शुभेन्दु शेखर, श्रीधरम, आदि हुनकर शीघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना कएलनि.
(Report: मिथिमीडिया डेस्क)