कलकत्ता. मिथिला दिस सरकारी उदासीनता कोनो नव
बात नहि अछि, मुदा कखन धरि माथ पर हाथ ध' बैसल रहब? आब बेर आबि गेल छैक.
सरकार जहिना सुनतैक सुनाओल जेतैक. ई कहब छनि मिथिला विकास परिषद् केर
राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा केर. मिथिमीडिया कें जनतब देइत अशोक झा कहलनि जे
मधुबनी समाहरणालय लग बुधदिन 12 दिसंबर 2012 कें मिथिला विकास परिषद् केर
मधुबनी जिला शाखा अध्यक्ष अजय यश केर नेतृत्व मे सरकारी उदासीनता आ विभिन्न मांग कें ल' धरना प्रदर्शन कयल जायत. धरनामे केन्द्रीय कमेटी कोलकाता सं एक टीम जायत.
उत्तर बिहार क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक केर नाओ मिथिला क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक करब, मधुबनी सहित मिथिला क्षेत्र मे मातृभाषा मैथिली मे प्राथमिक स्तर सं शिक्षा, टीशन पर ललित बाबू केर मूर्ति स्थापना, मधुबनी मे दूरदर्शन बैसयबाक परियोजना, मधुबनी मे हवाइ अड्डाक मांग आ दड़िभंगा केर हवाइ सेवा शुरू करबा, अस्पताल केर आधुनिकीकरण, गिरधर पुस्तकालय केर जीर्णोद्धार सहित निकटवर्ती पंचायत चकदह, रांटी आदि मे जिला सं विद्युत् आपूर्ति केर मांग ल' भोरे 10 बजे सं सांझ 5 बजे धरि धरना पर बैसल जायत. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)