मिस यूनिवर्स प्रतियोगिता मे मैथिल ललना

बम्बइ. मैथिल ललना शिल्पा सिंह मिस यूनिवर्स बनबाक बहुत निकट पहुंचि  गेल छथि. 23 वर्षीया शिल्पा मिथिलाक समस्तीपुर जिलाक डीहा गामक छथि. शिल्पा मल्टीनेशनल कम्पनी इन्फोसिस मे साफ्टवेयर इंजीनियर छथि. हिनक शिक्षा  मुजफ्फरपुर, जमशेदपुर, रांची आ मुंबइ मे भेल. भानस करबाक शौक़ीन शिल्पा नृत्य मे सेहो दक्ष छथि. ई अपन पिता कें प्रेरणाश्रोत मानैत छथि. 19 दिसंबर कें होमयवला मिस यूनिवर्स प्रतियोगिता मे ओ भारतक प्रतिनिधित्व क' रहल छथि. शिल्पा केर चयन राष्ट्रीय सौंदर्य प्रतियोगिता-आई एम शी केर माध्यम सं  भेल अछि. अंजलि आ अर्जुन फ़ाइनल प्रतियोगिता मे भाग लेबाक हेतु शिल्पाक पोशाक तैयार केलनि अछि. एहि  बेरक प्रतियोगिता मे दुनियाक लगभग 90 देशक सुन्नरि भाग ल' रहल छथि. अमेरिका केर लास वेगास मे आयोजित एहि प्रतियोगिता लेल वोटिंग जारी अछि जे  18 दिसंबर कें सांझ 6 बजे धरि चलत. एक व्यक्ति एक वैध इ-मेल आइडी केर संग एक दिन मे 10 बेर धरि वोट क' सकैत अछि. त' कथीक विलम्ब...चली वोट करी. ज्ञात हो जे एहि सं पहिने ई ख़िताब भारत सं मात्र दू गोट सुन्नरि सुष्मिता सेन (1994) आ लारा दत्ता (2000) जीतने छथि.  (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post