विराटनगरमे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

विराटनगर. मिथिलामे कातिक मास अबिते मैथिली कार्यक्रम, आयोजन-अनुष्ठानक अगहन आबि जाइत  अछि. विद्यापतिक अवसान दिवस लगिचाइते, कविकोकिलकेँ स्मरण करैत दुनू पार मिथिला आ मिथिलासँ बाहर रहनिहार मैथिल सेहो अपना-अपना सुविधा आ समयानुसार हुनके स्मृतिमे पाबनि मनबैत छथि. सभ साल जकाँ एहिसाल सेहो दरभंगा, मधुबनी, भागलपुर, पटना, दिल्ली, कलकत्ता, जनकपुर, राजबिराज, काठमाण्डु समेत अनेक जगह पर कार्यक्रम आयोजित भेल आ आगामी किछु मास धरि ई क्रम चलैत रहत. मिथिला मैथिलीसँ संबद्ध प्रायः हरेक संस्था यथासाध्य कविपतिकेँ श्रद्धा-दीप देखबैत अछि. एहिक्रममे आगामी पूस १३-१४ गते २०६९ साल अर्थात 28 एवं 29 दिसंबर 2012 केँ मैथिली सेवा समिति, विराटनगर द्वारा विराटनगर, नेपालमे दू-दिना विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन कएल जायत. एहि अवसरपर अनेक साहित्यिक आ सांस्कृतिक गतिविधिक आयोजनक नेयार अछि जाहिमे मिथिला पेंटिंग एवं मिथिला लोककलाक प्रदर्शनी, विचार-गोष्ठी, साहित्यक गोष्ठीक अलावे नाटक आ रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कएल जायत. एकर अलावे पोथी-मेला, मिथिलाक संस्कृतिकेँ झलकबैत झाँकी, नेना-भुटकाक फैशन शो आ मिथिलाक खान-पानक मेला सेहो लगाओल जाएत तथा विशिष्ट पाहुन सभकेँ समिति द्वारा सम्मानित कएल जायत से सूचना भेटल अछि. समिति द्वारा पछिला बरख सेहो वृहत स्तरपर विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन कएल गेल रहए जाहिमे दुनू पारक कलाकार, साहित्यकार आ आम मैथिल बेस उत्साहित भऽ भाग लेने छलाह. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post