> मधुबनी मे मिविप देलक धरना, चलाओत जनसंपर्क अभियान
मधुबनी. मिथिला विकास परिषद् केर
राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे मिथिलाक उपेक्षा बर्दास्त नहि कयल जायत. मधुबनी समाहरणालय लग बुधदिन 12 दिसंबर 2012 कें मिथिला विकास परिषद् केर
मधुबनी जिला शाखा अध्यक्ष अजय यश केर नेतृत्व मे धरना देल गेल. सरकारी उदासीनता आ विभिन्न मांग कें ल' धरना प्रदर्शन कयल गेल. धरनामे केन्द्रीय कमेटी कोलकाता सं एक टीम सेहो गेल छल. विभिन्न मांग जेना उत्तर
बिहार क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक केर नाओ मिथिला क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक करब,
मधुबनी सहित मिथिला क्षेत्र मे मातृभाषा मैथिली मे प्राथमिक स्तर सं
शिक्षा, टीशन पर ललित बाबू केर मूर्ति स्थापना, मधुबनी मे दूरदर्शन बैसयबाक
परियोजना, मधुबनी मे हवाइ अड्डाक मांग आ दड़िभंगा केर हवाइ सेवा शुरू
करबा, अस्पताल केर आधुनिकीकरण, गिरधर पुस्तकालय केर जीर्णोद्धार सहित
निकटवर्ती पंचायत चकदह, रांटी आदि मे जिला सं विद्युत् आपूर्ति केर मांग
ल' भोरे 10 बजे सं सांझ 5 बजे धरि धरना पर बैसल गेल. अशोक झा केर कहब छलनि जे न्यायालयक निर्देश केर अवमानना करैत बिहार सरकार क्षेत्र केर विद्यार्थी कें मातृभाषा मे शिक्षा लेबय सं वंचित कयल जा रहल अछि. परिषद दिस सं फगुआ सं जूड़िशीतल धरि जनसंपर्क अभियान चलाओल जायत. धरना मे अशोक झा, अजय यश सहित स्वर्णिम कुमार झा, रामनाथ यादव, पावस पासवान, कलाधर झा, राजकुमार राज ओ अन्यान्य लोकनि भाग लेलनि. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Connect