दड़िभंगा. विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगाक महासचिव बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू'
जनौलनि जे एहिबेर संस्थान द्वारा स्थानीय एमएलएसएम कॉलेजक परिसरमे आगामी
२६,२७ एवं
२८ नवंबरकेँ त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोहक आयोजन कएल जाएत जकर
तैयारीमे संस्थानक कार्यकर्ता सभ जुटि गेल छथि. पहिल दिन संध्याकाल दीप
प्रज्वलित कए एवं विद्यापतिक प्रतिमापर माल्यार्पण कए समारोहक उद्घाटन कएल
जाएत. तत्पश्चात विभिन्न क्षेत्रमे मिथिला-मैथिलीक ध्वजवाहक एवं
कीर्तीस्थापक सभकेँ संस्थानक दिससँ मिथिला विभूति सम्मानसँ सम्मानित ओ'
अभिनंदन कएल जएतनि. एहिबेर जिनका सभकेँ ई सम्मान भेटतनि ताहिमे डॉ. किशोर
नाथ झा, दरबारी दास, रामाकांत राय 'रमा', डॉ.शिवाकांत पाठक, प्रसिद्ध
चिकित्सक डॉ.मोहन मिश्र एवं शिक्षाविद् डॉ. चंद्रमोहन झा प्रमुख छथि. एकरा
बाद विद्यापति गीत एवं लोक संगीत ओ' नाटकक कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि.
दोसर दिन दिनमे सेमिनार तथा संध्याकाल कविगोष्ठीक आयोजन होएत. ज्ञात हो जे
ई कविगोष्ठी मैथिली साहित्य जगतमे बेस महत्व रखैत अछि. तेसर दिन सगर राति
रंगारंग कार्यक्रमक आयोजन होयत जाहिमे संपूर्ण मिथिलाक कलाकार सभ दर्शक
सभकेँ अपन-अपन गीत-नाद सँ मनोरंजन करताह.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Tags:
हालचाल