यात्री कें स्मरण मे सभा ओ कवि गोष्ठी

> 5 कें तारासुन्दरी पार्क मे जमघट
कलकत्ता. विद्यापति पर्वक ओरियान जतय-ततय  शुरू अछि. साहित्य आ संस्कृति नामे आयोजनक बाढ़ि आयत. विद्यापतिक विराट क्षितिज मे मैथिली केर अन्यान्य विभूति कें बिसरबाक बेमारी सं समाज ग्रसित अछि. एहना  मे मिथिला विकास परिषद् केर पहल पर तारासुन्दारी पार्क मे यात्री जीक प्रतिमाक निकट काव्य संध्याक आयोजन सोमदिन ५ नबम्बर २०१२ केँ होयत. ज्ञात हो जे सभ सं पहिने मिथिला विकास परिषद् तारासुन्दरी पार्क मे यात्री-नागार्जुन केर प्रतिमा स्थापित कयलक. ई भारतवर्ष मे सार्वजनिक स्थान पर हुनक प्रथम प्रतिमा स्थापित कयल गेल. तकर बादे सं यात्री जी केर अवसान दिवस पर ओतय परिचर्चा आयोजित होइत अछि. परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे एहि बेर कार्यक्रम मे काव्य गोष्ठी सेहो जोड़ल गेल अछि.  
कार्यक्रमक संयोजक अंजय चौधरी जनतब देलनि अछि जे कार्यक्रम मे अशोक झा, प्रफुल्ल कोलख्यान, अनमोल झा, अजय कुमार तिरहुतिया, भास्कर झा, आमोद झा, कामेश्वर झा 'कमल', विनय भूषण, लक्ष्मण झा 'सागर', चंदन कुमार झा, रूपेश त्योंथ, आशीष अनचिन्हार सहित कोलकाताक प्रबुद्धवर्ग ओ मैथिली साहित्यकारक जुटान होयत.
(Report : मिथिमीडिया ब्यूरो )
Previous Post Next Post