पावनि-तिहार आ हाड़ तोड़ बोखार

> डोलल प्रशासन, डेरायल लोक
दड़िभंगा. डेंगू दिल्ली, कलकत्ता आ बंबइ केर बाद मिथिला कें सेहो प्रभावित केलक अछि. जमल आ घोकायल पानि में जखन गन्दगी पसरैत अछि त' डेंगू कें जनमबाक पूरा अवसर रहैत अछि. पोखरि सं पाटल आ जलामहि मिथिला डेंगू सं आक्रांत त' नहि अछि तथापि बोखारक भनकहि सं डेंगूक भय व्याप्त भ' जाइत अछि. मिथिलाक कतेको भाग मे बोखारक कारणे शिशु मृत्यु केर घटना लोक कें चिंतित केने छल. एहना मे एखन डेंगू सेहो एक नव विपति ने
ने आयल अछि.
ओना जिला पदाधिकारी नर्मदेश्वर लालक अनुसार दड़िभंगा मे  डेंगू केर प्रकोप नहि अछि. मुदा सावधानी राखब आवश्यक अछि. ओ कहलनि जे डेंगू सं डेरयबाक काज नहि अछि. मात्र सावधानी राखल जयबाक चाही. प्रशासन सजग अछि. डेंगू सं ग्रसित व्यक्ति कें तेज बोखार आ हड्डी मे दर्द होइत अछि. उन्टी होइत अछि. बोखार लगने पहिने डाक्टर सं सलाह लेब परम आवश्यक अछि. साफ़-सफ़ाइ पर सेहो ध्यान देल जयबाक निर्देश देल गेल अछि.
दीयाबाती, कालीपूजा आ फेर छठि कें ध्यान रखैत सफ़ाइ केर निर्देश देल गेल अछि. छठि मे जलकर सोझा बैसि लोक आराधना करैत अछि. एहना मे डेंगू सं बचबाक लेल घाट आदि केर सफ़ाइ नीक सं करब जरूरी अछि.
(Report : मिथिमीडिया ब्यूरो )
Previous Post Next Post