प्रतिविम्ब रंगमञ्चक वार्षिकोत्सव समारोह

> ‘कतेक सहब’ केर होयत मंचन
जनकपुर. मैथिली कला संस्कृति क्षेत्रमे काज करयबला जनकपुरक सक्रिय संस्था प्रतिविम्ब रंगमञ्चक पहिल वार्षिकोत्सवक अवसरपर बृहस्पतिदिन ११ अक्टूबर २०१२ कें रक्तदान कार्यक्रम कएल गेल. कार्यक्रममे २९ गोटे रक्तदान कएलनि. शुक्रदिन जनकपुरक वृद्धाश्रममे फलफुल वितरण आ शनिदिन सांस्कृतिक कार्यक्रम कएल जाएत. ओहि  कार्यक्रममे रामेश्वर साहद्वारा लिखित एवं निर्देशित मैथिली भाषाक नाटक ‘कतेक सहब’ कएल जाएत.
(Report: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post