राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक उद्घाटन

> साहित्य-कला सं युवा केँ जोड़बाक सलाह
जनकपुर. मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलक नाम सँ स्थापित राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक कार्यालयक बृहस्पतिदिन, ११ अक्टूबर २०१२ कें  एक समारोह बीच जनकपुरक देवी चौक मे उदघाटन कएल गेल अछि. संस्कृतक विद्वान पण्डित सूर्यकान्त झा आ मैथिलीक साहित्यकार एवं शिक्षाविद् राजेन्द्र किशोर संयुक्त रूप मे कार्यालयक उदघाटन कएलनि अछि. वक्ता सभ राजेन्द्र विमल प्रतिष्ठानक माध्यम सँ जनकपुरक युवा सभ केँ मैथिली साहित्य सँ जोड़बाक सलाह देलनि.
पण्डित झा कहलनि युवा साहित्यकार सभक प्रेरणाक स्रोत डा. विमल सभ दिन रहलथि अछि हुनक अभिभावकत्व मे मैथिली फलत फुलत से विश्वास रहल अछि. मैथिली साहित्यकार राजेन्द्र किशोर अपने डा. राजेन्द्र विमलकेँ रचना सँ बहुत प्रभावित रहल उल्लेख करैत कहलनि जे जनकपुर मे साहित्य केँ जे माहौल बनि रहल छैक ओ उत्साहवर्धक बात अछि.
कार्यक्रम मे मैथिली विभागक विभागाध्यक्ष परमेश्वर कापड़ि जनकपुर मे साहित्य लेखन एवं पुस्तक प्रकाशन मे जाहि रूप सँ वृद्धि भऽ रहल अछि ओ अतिअह्लादित बात अछि. तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक केन्द्रीय सम्पादन समितिक सदस्य डा. विजय कुमार सिंह एकटा साहित्यिक संस्था हौक जाहि मे खाली साहित्यपर चर्चा होइक एकर जनकपुरमे बहुत दिन सँ आवश्यकता छल. ई प्रतिष्ठान आवश्यकता पूर्ति करत से विश्वास व्यक्त कएलनि.
नेकपा माओवादीक वरिष्ठ नेता एवं साहित्यकार रोशन जनकपुरी जहिना दीप बारि कऽ चेतनाक ज्योती आ फुलमे पानि पटा कऽ ज्ञानक गाछ रोपबाक प्रयास भेल अछि ई उदेश्य सँ नहि भटकैक से अपेक्षा रखलनि अछि. वरिष्ठ साहित्यकार डा. सुरेन्द्र लाभ संस्थाक गठन कएला सँ मात्र नहि निरन्तर काज करब महत्वपूर्ण रहल चर्चा करैत ई संस्था साहित्यकारसभक लेल एकटा महत्वपूर्ण स्थल बनैक एकर अपेक्षा रहल उल्लेख कएलनि. वरिष्ठ पत्रकार वृज कुमार यादव मैथिलीक संघसंस्थासभमे एकटा गलत परम्परा देखल गेल अछि जे बाप अध्यक्ष भेल तऽ बेटा, बेटी, कनियासभकेँ कार्य सिमतमे राखि लेलहुँ अर्थात मैथिलीकेँ अपना सँ आगा नहि बढय देलहुँ एकरा ई प्रतिष्ठान तोड़िक आगा बढत से विश्वास व्यक्त कएलनि. नेपाल प्राध्यापक संघक पूर्व अध्यक्ष तीर्थ थापा नेपाली आ मैथिली भाषा बीच कोना निकटता अबैक ताहि लेल दुनू साहित्यकेँ एक दोसर भाषामे अनुवाद करवाक आवश्यकता रहल उल्लेख कएलनि.
नागरिक समाजक अगुवा अमर चन्द्र अनिल मैथिलीकेँ जन–जनमे फैलाबए लेल युवासभकेँ बेसी सँ बेसी सहभागिताक आवश्यकता रहल कहैत प्रतिष्ठानकेँ विकासमे सहयोग करब वचनवद्धता व्यक्त कएलनि. नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष राम आशीष  यादव डा. विमल जनकपुरक मात्र नहि नेपालक गहना छथि ओ गहना सँ युवासभकेँ शिक्षा ग्रहण करवाक आवश्यकता रहल चर्चा कएलनि.
प्रतिष्ठानक अध्यक्ष विजय दत्तक सभापतित्वमे भेल समारोहमे एमाले नेता एवं वुद्धिजीवी शीतल झा, राष्ट्रीय मानव अधिकार आयोगक क्षेत्रीय प्रमुख वुद्ध नारायण सहनी, हजारी जनक विद्यापीठक नीलकण्ठ भट्टराई, प्रध्यापक चन्देश्वर लाल, रामानन्द युवा क्लवक अध्यक्ष नवीन कुमार मिश्र, प्रतिष्ठानक उपाध्यक्ष श्याम सुन्दर शशि, रोशन कुमार झा, सुदीप झा, नित्यानन्द मण्डल, प्रतिष्ठानक महासचिव सुजीत कुमार झा, पत्रकार मनिका झा सहितक वक्तासभ बाजल छलथि. उद्घाटन समारोहमे स्वस्तिक वाचन शम्भु ढुंगाना आ चिरञ्जीवि पोखरेल कएलनि तऽ शंख विभाष लाभ बजओलनि.
(Report: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post