मैथिली फिल्म मे रजा मुराद

कलकत्ता/दड़िभंगा. मैथिली फ़िल्म 'छूटल नहिं प्रेमक रंग’ केर शूटिंग 5 नवम्बर सं मधुबनी मे शुरू होमय जा रहल अछि. प्राप्त जनतबक अनुसार ओम राजेश्वरी त्रिपुरसुन्दरी प्रोडक्शन हाउस प्रा. लि. केर बैनर मे बनयबला एहि फ़िल्मक निर्देशन क' रहल छथि संतोष झा. विधवा विवाह पर आधारित अहि फ़िल्म सं रजा मुराद सेहो मैथिली फिल्म दिस रूखि कयलाह अछि. एहि सं मैथिली सिने जगत मे हरखक माहौल अछि. मुरादक संगहि एहि फिल्म मे अभिनय क' रहल छथि अनिल मिश्रा, गोविन्द पाठक, निलेश दीपक, राधाकान्तजी (जंगला मंगला) खुशबू मिश्रा, सोनिया झा आदि.

> खूब भ' रहल अछि फिल्म निर्माण
-वन फिलम्स द्वारा प्रस्तुत 'रंगबाज छौरा' केर निर्माणक घोषणा भेल अछि. संगहि दिल्ली मे संपन्न भेल आडिशनक बाद मैथिली फिल्म 'सिनेहिया' सेहो बनि रहल अछि. एहि फ़िल्मक निर्माता आ निर्देशक उदय राज छथि. 'कखन हरब दुख मोर'क सह-प्रोड्यूसर दिस सं प्राप्त जनतबक अनुसार ओ दूटा फ़िल्म जल्दिये बनबय जा रहल छथि, जकर नाम अछि 'एक छल गोनू झा' आ 'राजा सलहेस'. दोसर दिस फ़िल्म निर्देशक संतोष बादल कालिदास पर फ़िल्म निर्माणक घोषणा पहिनहि क' चुकल छथि. (Report : भास्कर झा)
Previous Post Next Post