आबि रहल अछि 'रंगबाज़ छौंड़ा'

नव दिल्ली. मैथिली फिल्म निर्माणक क्षेत्र में डेग बढबैत 'ए-वन फिल्म्स प्राइवेट लिमिटेड' अपन आगामी फिल्म "रंगबाज़ छौंड़ा" केर शूटिंगक सूरसार 1 नवम्बर स' क' रहल अछि. आधिकारिक सूत्र सं ज्ञात भेल अछि जे एहि फिल्मक कथा एक सत्य घटना पर आधारित अछि, जाहि मे दू पितियौत भाइअक आपसी जमीनी विवाद केर फायदा गामक एक दबंग ठिकेदार उठेबाक प्रयास मे रहैत अछि. गामक दू गोट धूर्त कें ओहि ठिकेदारक धन पर नजरि हेबाक कारणें ओकर बेटी कें आगू-पाछू करैत रहैत अछि, मुदा ठिकेदारक बेटीक प्रेम प्रसंग गामहि केर एक मसोमातक बेटा आ होनहार युवक संग चुप्पेचाप चलैत रहैत अछि. दुनू धूर्त मीलि क' एहि बात कें सार्वजनिक क' देइत अछि जाहि ल' बड़का भारी बखेरा ठाढ़ होयब स्वाभाविक अछि. रहस्य,रोमांच आ मनोरंजन सं भरपूर ई फिल्म मैथिली सिनेमाप्रेमी केर वास्ते एक नव सनेस ल' आबि रहल अछि.
'ए-वन फिल्म्स प्राइवेट लिमिटेड' केर बैनर मे बनि रहल एहि फिल्मक कथा आ पटकथा लिखलनि अछि-विमल जी मिश्र, निर्देशन क' रहल छथि चन्दन मिश्र, अभिनय क' रहल छथि- दीपक चौधरी, संजीव चौधरी, कुमकुम झा, रेणु श्रिया, कौशल चौधरी, विजय महतो, सुनील कुमार पवन आदि. एहि फ़िल्मक संगीत तैयार केलनि अछि हरिनाथ झा, सुमधुर स्वर सं सजौलनि अछि- सुनील कुमार पवन, विकाश झा, माधव राय, देवानंद झा, संतोष झा, राधा पांडे आ पूनम झा. अपन सुन्दर गीत सं सजौलनि अछि गीतकार- विमल जी मिश्र, मनीष झा 'बौआभाइ', प्रशान्त झा आ कमलेश किशोर झा. (Report: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)
Previous Post Next Post