नाटकक श्रृंखलाबद्ध प्रदर्शन

> एमवाइपी कयलक सफल प्रयास
नव दिल्ली. दिल्ली मे मैथिल युवा संगठित 'मैथिल यूथ परिषद' समूह देखिते-देखिते सम्पूर्ण मिथिला प्रेमीक हृदय मे  कम समय मे यथोचित स्थान बनबय मे सफल भेल अछि. परिषद एहि बेर दुर्गा पूजा मे एक नव प्रयोग करैत 'हमर एकता हमर प्रगति' घोष कें बुलंद करैत दिल्लीक कोना-कोना मे मैथिली नाटकक आयोजन आ प्रस्तुति करैत मशाल कें आगाँ बढब' मे सफल रहल.
'आय रौ घुटरा, ई की केलही !' हास्य-व्यंग्य स' परिपूर्ण दहेज़ प्रथा पर आधारित एहि नाटकक लेखक आ निर्देशक हिन्दी फिल्म उद्योग जगत मे स्थापित आ जानल-मानल अभिनेता सागर झा स्वयं दिल्ली मे उपस्थित भ' एहि मोहिम कें सफल बनेबाक उद्देश्य स' सभ सहयोगी कलाकार कें प्रशिक्षण द' एकर सफलतापूर्वक निष्पादन  केलनि.
ज्ञात हो कि परिषद ई नाटक 19 तारीख स' शुरू केलक आ 23 तारीख धरि दिल्लीक अलग-अलग क्षेत्र मे केलक अछि. नाटक केर आयोजन क्रमशः 19.10.2012 क' K.ब्लोंक,सौरभ विहार,जैतपुर, 21.10.2012 क' दुर्गा पूजा समिति, तिकोना पार्क, सीमापुरी, , 22.10.2012 क' एकता विहार, जैतपुर एक्सटेंशन आ 23.10.2012 क' बिहार लोक मंच, जनकपुरी (एकर पूर्ण तैयारी छल मुदा बरखाक कारणें रद्द क' देल गेल) मे भेल.
कलाकार-सागर झा, समीर झा, शैलेश ठाकुर, विजय झा, आशुतोष झा, अनिल कुमार, मुरारी कुमार, राजेश कुमार, रूपेश पांडे, रौशन झा, राकेश झा, सुमन झा, सौरभ झा, कौशल झा, पंकज चौधरी, विकास राज़, सागर ठाकुर, आशुतोष झा, शंकर चौधरी आदि केर अभिनय आ गायन मे मिथिलाक उभरैत दू टा नव कलाकार-प्रवीण आ शैलेश ठाकुरक संग मंच संचालक विपिन झा केर उपस्थिति सेहो आकर्षक रहल. मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार आ उदघोषक मनीष झा 'बौआभाइ' बीच-बीच मे हास्य कविता आ चुटकुला छोड़ैत दर्शक कें बेस मनोरंजन करौलनि.   
एहि नाटकक आयोजन मे परिषदक पदाधिकारी आनन्द कुमार झा (अध्यक्ष), मुकेश मिश्रा (महासचिव), चित्रांशु कर्ण (सचिव), बसंत झा 'वत्स' (कोषाध्यक्ष), बजरंग मंडल (उपाध्यक्ष), हिमांशु कर्ण (सदस्य) आदिक उपस्थिति कलाकारक उत्साहवर्द्धन मे बेस सहयोगी रहल.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post