गत भेलाह गंगोपाध्याय, साहित्यजगत मे शोक

कलकत्ता. प्रख्यात बांग्ला साहित्यकार आ साहित्य अकादमीक अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्यायक आइ भोरहरबे हृदयाघात सं दक्षिण कोलकाता स्थित हुनक आवास पर निधन भ' गेलनि. ओ 78 वर्ष केर छलाह. हुनक निधन सं साहित्यजगत कें अपूरणीय क्षति भेल अछि. २०० सं बेसी पोथी लिखयवला गंगोपाध्याय विभिन्न विधा मे लेखनी चलौलनि, मुदा कविता हुनका बेसी पसिन छलनि. हुनका साहित्य अकादेमी पुरस्कार सहित साहित्यक अनेक प्रतिष्ठित पुरस्कार भेटल छनि. उपाध्यक्ष रूप मे पांच साल धरि काज केलाक बाद हुनका 20 फरवरी 2008 कें साहित्य अकादमी केर अध्यक्ष चुनल गेलनि. हुनक परिवार मे पत्नी आ एक पुत्र छनि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post