चैनपुर जौं हमर गाम थिक

चैनपुर जौं हमर गाम थिक
तखन अइमे हमर 

चेतनाक स्तुति भेटइछ

की फरक छै जुहू बीच केर कछेर मे
आ कि इंडिया गेट लग कि  वर्लिंग्टन चौराहा
की विक्टोरिया मेमोरियल,
की नुंगंबक्कम ,
कि क़ी मौनताइन शाडो,
क़ी टैगोंर हिल मोरवादी,
क़ी डाक बंगला चौराहा ?
ई सभ नगर महानगरकेर 
एक एक टा शब्दजाल छी
जतय ओझरा जाइछ मनुख

चैनपुर हमर ओ गाम 
जाहिसँ निर्मिति भेल हमर
एकटा माय थिक चैनपुर
जे दूध आ बताशा लेल एखनो
हमर बाट तकैत अछि
एकटा बहिन थिक चैनपुर 

जे सामा फोड़य  लेल बजबइ छै
एकटा पिता थिक चैनपुर
जे कखनो  बड्ड  दुलार करै छै
कखनो तमसायल 
करै छै 
सबटा संबंध थिक चैनपुर |

सप्पत कहै छियउ  भाय
जौ हमरा सब कें 
पेटक हाहाकार नै रहितै
त' चैनपुर
ककरो नै छूटितै
मुदा चैनपुर !!
तू हमर जान छें
नै हम सब मरबौक 
नै तोरा मरय देबौ...!!

— अरुणाभ सौरभ
Previous Post Next Post