फ़िल्मोत्सव पर कयल गेल विचार-विमर्श

सांस्कृतिक नगरी आ मैथिली गतिविधिक केन्द्र बिन्दु कलकत्ता मे मैथिली फ़िल्म संबंधी विचार-विमर्श ओ मैथिली फ़िल्म उत्सवक सफ़ल आयोजन हेतु आवश्यक किछु रणनीति पर चर्चा हेतु दिनांक 15 सितम्बर 2012 कें स्थानीय मैथिल कलाकारक एकटा बैसारक आयोजन कयल गेल. 

दरभंगा मे मैथिली फ़िल्म अकादमी केर तत्वावधान मे आयोजित होबय बला मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवलक एखन धरि भेल प्रगतिक सराहना आ प्रशंसा कयल गेल. उपस्थित लोकनि मे शंभुनाथ मिश्र, भवनाथ झा, सूरज तिवारी, केदारनाथ, रमेश मिश्रा, लक्ष्मण साह, उत्तम चौधरी, दिनेश मिश्रा, विवेक चौधरी, भास्कर झा, शशि मोहन भारद्वाज आ प्रकाश झा छलाह.

एहि बैसारक अध्यक्षता करैत शंभुनाथ मिश्र बतौलनि जे मिथिलावासी आ दर्शक वर्ग कें मैथिली गीत-संगीत आ सिनेमाक प्रति जागरूक बनौला सं प्रगति मे सकारात्मक गति आओत. ओ कहलनि 'नोटक गड्डी’ पर सुतल मैथिल कें जगाउ आ फिल्म निर्माण लेल प्रेरित करू. 

अभिनेता  विवेक चौधरी शंभुनाथ मिश्र केर विचार कें  समर्थन करैत कहलनि जे सिनेमा कें बिजनेसक दृष्टि सं व्यापक स्तर पर बनाओल जयबाक चाही. अभिनेता उत्तम चौधरी अपन विचार व्यक्त करैत कहलनि जे लोक मिथिला संस्कृतिक प्रति उदासीन भ' गेल अछि. दुख प्रकट करैत उत्तम बतौलनि जे मिथिला मे सब किछु बढि रहल अछि मुदा मैथिली सिनेमा एखनो धरि पछुआ रहल अछि जे चिन्तनीय अछि.

फिल्म निर्देशक सूरज तिवारी कहलनि जे ओ शीघ्र  एकटा मैथिली फ़िल्म “सजन घर जेबै” शुरू करताह. प्रसिद्ध नाट्यकर्मी आ अभिनेता भवनाथ झा कहलनि जे मैथिली थियेटर परम्पराक माध्यमे सिनेमा बोनस मे भेटल अछि. सिनेमाक कला आ रंगमंच एक दोसरक पूरक अछि. मैथिली फ़िल्म मर्यादित रहबाक चाही मुदा मनोरंजन पर कोनो लगाम नहीं लगेबाक चाही. अश्लीलता सं बचैत मर्यादित ढंग सं निर्मित मैथिली फ़िल्म बनबाक चाही. 

अभिनेता दिनेश मिश्र अपन हर्ख व्यक्त करैत कहलनि जे मैथिली फ़िल्म मे सबहक अपेक्षित सहयोग भेटबाक चाही। आपसी आरोप-प्रत्यारोप पर कोनो ध्यान नहि दैत मैथिली निर्माण संबंधी गतिविधिक विस्तार होमय चाही. फिल्म पत्रकार भास्कर झा मैथिली फ़िल्म उत्सव कें ऎतिहासिक प्रयास मानैत कहलाह जे मैथिली सिनेमाक भविष्य उज्ज्वल होबय बला अछि. वर्तमान मे बहुत रासे मैथिली फ़िल्मक ब्लूप्रिन्ट तैयार अछि. ओ सुझाव देइत कहलनि जे कलाकार केर प्रोत्साहन देबाक चाही आ  निर्मित मैथिली फ़िल्मक पटकथा, तकनीक पहलू, फ़िल्मांकन आदि पक्ष पर चर्चा होबाक चाही.

बैसार मे मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवलक संयोजक शशि मोहन समारोहक रूपरेखा, कार्यक्रम आ उद्देश्य पर जनतब देलनि. 

Report/Photo : भास्कर झा

>> INSTALL MITHIMEDIA APP


Previous Post Next Post