कार्यक्रमक रूपरेखा भेल निर्धारित

> मिथिला महोत्सवक तेसर दिनक कार्यक्रम पर भेल चर्च
कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर केंद्रीय कार्यालय मे रविदिन (१६ सितम्बर, २०१२) केर सांझ मे कार्यकर्ता लोकनि द्वारा विस्तृत विमर्श कयल गेल. मिथिला महोत्सव केर तेसर दिनक कार्यक्रम आगामी रविदिन २३ सितम्बर, २०१२ कें भारतीय भाषा परिषद् मे साहित्यिक अनुष्ठानक रूप मे होयत. कार्यक्रमक संयोजक अंजय चौधरी जनतब देलनि जे एही कार्यक्रम मे मैथिलीक साहित्यिक क्षेत्रक नामचीन नव-पुरान साहित्यकारक जमघट रहत. पहिने त' मैथिली मे युवा लेखन पर परिचर्चा होयत. तकर बाद कवि गोष्ठी होयत. तत्पश्चात सांगीतिक कार्यक्रमक संग एहि अनुष्ठानक समापन होयत. परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे कार्यक्रमक पूर्ण तैयारी भ' चुकल अछि आ ई मैथिली कें समर्पित कार्यक्रम अछि. कार्यक्रम मे प्रवेश कार्ड द्वारा होयत. एहि हेतु कार्ड केर वितरण जारी अछि. इच्छुक लोकनि परिषदक केंद्रीय कार्यालय सं कार्ड प्राप्त क' सकैत छथि आ एहि मादें संपर्क (@ 9831031987) सेहो क' सकैत छथि.    
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post