प्रतिभाक भेल सम्मान ओ अभिनन्दन

> विद्यापति स्मारक मंचक कार्यक्रम 
कलकत्ता. सांस्कृतिक महानगरी कोलकाता स्थित सामाजिक व सांस्कृतिक संस्था विद्यापति स्मारक मंच अपन शैशवावस्था सं मिथिलाक भविष्यक नागरिक/मैथिली भाषी छात्र-छात्रा कें प्रतिभा प्रोत्साहनक अभीष्ट सं संवर्द्धन करैत आबि रहल अछि. आइ (2 सितम्बर 2012, रविदिन) मिथिला भवन मे आयोजित 14म छात्र-छात्रा सम्मान कार्यक्रम मे 52टा छात्र-छात्रा कें पुरस्कृत कयल गेल. एकर संगहि एहि अवसर पर पूर्व रेलवे केर प्रधान मुख्य अभियंता आनंद किशोर झा एवं मैथिली साहित्यविद नवीन चौधरी कें अभिनन्दन कयल गेल. आयकर आयुक्त एवं आयकर निदेशक (छूट) अजय नारायण सिंह  मुख्य अतिथिक रूप मे आ  आइआइएम, कोलकाताक डॉ विद्यानन्द झा प्रधान वक्ताक रूप मे उपस्थित भ' कार्यक्रम केर गरिमा बढओलनि.  समारोहक अध्यक्षता प्रसिद्ध शिक्षाविद भोगेन्द्र झा कयलनि. एहि अवसर पर कार्यक्रम केर संयोजक विवेकानंद झा कहलनि जे विद्यार्थी जओं कोनो सलाह आदि चाहैत अछि त' ओकर सही दिशानिर्देशन हेतु हम सभ तैयार छी. कार्यक्रम मे भोगेन्द्र झा कहलनि जे हम छात्र संवर्द्धन हेतु एक कोष तैयार करब आ प्रोत्साहित करब. कार्यक्रमक समापन विजय इस्सर आ टीम केर सांस्कृतिक कार्यक्रम सं भेल. उपस्थित एक मैथिल केर अनुसार कार्यक्रम बेस झमटगर भेल  एहि कार्यक्रम मे शारदानंद झा, इन्द्र नारायण झा, युगल किशोर झा, रामलोचन ठाकुर, किशोरीकांत मिश्र, वेदानन्द झा सहित अन्यान्य लोकनि उपस्थित छलाह.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post