'मनोरंजन क्षेत्र मे अछि भविष्य'

>मैथिल यूथ परिषद्  केर वर्कशॉप 
नव दिल्ली. जैतपुर बदरपुर क्षेत्र मे फिल्म, नाटक, गीत-संगीत इत्यादि विषय पर वर्कशॉप केर आयोजन (2 सितम्बर 2012, रविदिन) कयल गेल.  एहि क्षेत्र मे कैरियर केर केहन संभावना छैक, ताहि विषय पर सेहो विमर्श कयल गेल. वर्कशॉप केर आयोजन मैथिल यूथ परिषद् द्वारा कयल गेल. अध्यक्षता आनंद झा कयलनि. मैथिली फिल्म निर्देशक मनोज झा एहि क्षेत्र मे युवा लेल संभावना पर इजोत देलनि. अभिनेता शुभ नारायण झा अपन विचार रखैत कहलनि जे आजुक समय मे मैथिली फिल्म, गीत-संगीत आ अन्य अन्य क्षेत्र मे बहुत रास स्कोप अछि. कश्यप कमल (संगीत नाटक अकादमी) कहलनि जे अहि क्षेत्र मे असीम सम्भावना अछि तैं युवा वर्ग कें एहि क्षेत्र मे  कैरियर बनेबा हेतु सोचबाक चाही. मैथिल विचारक कृपानंद झा वर्कशॉप केर आयोजन आ सार्थकता पर इजोत देलनि. अध्यात्मिक क्षेत्र स जुडल जीवकांत झा युवा लोकनि कें अयबाक हेतु प्रेरति कयलनि.  वर्कशॉप मे योग गुरु कुलदीप यादव सेहो उपस्थित भेल छलाह.  वर्कशॉप केर आयोजन मे  जैतपुर केर मुरारी कुमार, अशोक झा, आशुतोष झा अपन पूर्ण योगदान देलनि. मैथिल यूथ परिषद् केर महासचिव मुकेश मिश्रा, सचिव चित्रांशु कर्ण, कोषाध्यक्ष बसंत झा वत्स तथा बहुत रास सदस्यगण उपस्थित छलाह. वर्कशॉप केर क्लास 2  मास धरि सभ रवि कें होयत जाकर सञ्चालन अभिनेता सागर झा करताह. मैथिल यूथ परिषद् लेल एकटा नाटकक टीम बनत जे आगामी दुर्गा पूजा मे मैथिल बाहुल्य क्षेत्र मे नाटकक मंचन करत.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post