विदेह सदेह आब अढाइ मास पर

> मैथिली पाठकक लेल नीक समाद
नव दिल्ली. मैथिली इ-पत्रिका विदेह समय-समय पर वेब पर प्रसारित सामग्रीक प्रिंट वर्जन विदेह सदेह नामें प्रकाशित करैत आबि रहल अछि. एक दिस जतय पाठक विदेह सदेह 10 केर बाट ताकि रहल अछि ओतहि एक सोशल साइट पर विदेह केर संपादक गजेन्द्र ठाकुर केर खुलासा मैथिली पाठकक हर्ष कतेको गुण बढ़ा देलक अछि. सार्वजनिक कयल गेल सूचनाक अनुसार विदेह सदेह 10 मे विदेह इ-पत्रिकाक 51 सं 100 अंक धरिक चुनल रचना आयत. तकर बाद विदेह सदेह 11 सं इ-पत्रिकाक 10-10 अंकक बीछल रचना प्रिंट मे आयत. विदेह सदेह 11 मे विदेह इ-पत्रिकाक 101 सं 110 अंकक बीछल रचना आयत. इहो स्पष्ट कयल गेल अछि जे विदेह सदेह 11 आ तत्पश्चात आगामी विदेह सदेह अढाइ मासक अंतराल पर आयत, जाहि मे गजल, पद्य, कथा, प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना, नाटक-रंगमंच, बाल साहित्य, विहनि कथा एकट्ठे रहत.
ज्ञात हो जे पछिला पांच बरख सं वेब/प्रिंट पोथी/पत्रिका निकालि विदेह मैथिली केर प्रचार, प्रसार ओ प्रकाशन मे लागल अछि. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post