दलमलित अछि दड़िभंगा

> 'मैथिली पाठकक उदासीनता सं त्रस्त'
दड़िभंगा. साहित्य अकादेमी द्वारा बाल साहित्य पुरस्कार सं सम्मानित एमएलएसएम कॉलेजक प्राध्यापक डॉ. मुरलीधर झा केर सम्मान मे सोमदिन (27 अगस्त, 2012) कें कालेज मे आयोजित कार्यक्रम मे अभिनंदन कयल गेल. कार्यक्रम मे लनामिविक कुलपति डॉ. एसपी सिंह कहलनि जे साहित्य अकादेमी द्वारा देल गेल सम्मान पूरा विवि केर सम्मान अछि. शिक्षक संघक अध्यक्ष डॉ. शाहिद हसन कुलपति डॉ. सिंह द्वारा विविक शिक्षक व छात्रक हित मे कयल जायवला काजक विस्तृत चर्चा कयलनि. डॉ. सुरेश्वर झा सहित शिक्षक संघक सचिव डॉ. विनोदानंद झा, डॉ.प्रेम मोहन मिश्र, डॉ. गणेश कांत झा, पवन कुमार मिश्र सेहो सभा कें संबोधित कयलनि. एहि अवसर पर डॉ. मुरलीधर झा कहलनि जे ई सम्मान समाज ओ साहित्यक सम्मान अछि. कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रधानाचार्य डॉ. विद्यानाथ झा कयलनि.
ज्ञात हो जे साहित्य अकादेमी द्वारा प्रत्येक साल देल जाय वला बाल साहित्य पुरस्कार 2012 सालक लेल मुरलीधर झा कें मैथिली कथा संग्रह ' पिलपिलहा गाछ' कें देल जयबाक घोषणा भेल अछि. मुरलीधर झा पुरस्कार घोषणा कें पश्चात मिडिया सं अपन अभिव्यक्ति मे मैथिली पाठकक उदासीनता प्रकट कयने छलाह. ओ कहने छलाह जे मैथिली निरंतर आगाँ बढ़ैत रहत. मैथिली सं जुडल संस्था सभ कें आगू आबि मैथिली पाठकक उदासीनता दूर करबाक चाही.
पुरस्कार पर अपन प्रतिक्रिया व्यक्त करैत ओ कहलनि जे पंडित चन्द्र नाथ मिश्र 'अमर', डा. रामदेव झा, डा. भीम नाथ झा ओ डा.सुरेश्वर झा केर प्रेरणा ओ सहयोग सं ओ आइ एहि योग्य भेलाह अछि.  चंदा झा ओ लालदासक रामायणक तुलनात्मक अध्ययन, भूकंप काव्य, हंत अयोध्या कांड व संग रचना आदि हिनक प्रकाशित कृति छनि. हुनक आगामी पोथी मैथिलीक आँगन मे, मैथिली उपन्यास ग्राम जीवन ओ संस्मरण अछि. वर्ष 1955 मे लहेरियासरायक कबिलपुर मे जनमल  डा. झा केर स्कूली शिक्षा एम एल एकेडमी सं भेलनि. इंटर व स्नातक केर शिक्षा  ओ महारानी कल्याणी कॉलेज सं ओ पीजी केर उपाधि मिथिला विश्वविद्यालय सं प्राप्त कयलनि. एखन ओ एम एल एस एम कॉलेजक मैथिली विभाग मे सहायक प्राध्यापकक पद पर कार्यरत छथि.
(Source)  
Previous Post Next Post