अनका लेल केs जीतइ ?

राज-काज मे लागल छै सभ
काज-राज के करतइ
अपना-अपनी बाझल छै सभ
दोसरा के के देखतइ ?

अपने ब्यथा छै कथा बनल
फेर दोसर के के सुनतइ
सभ तऽ छै वाचके एतऽ फेर
कथन-वचन के गुनतइ ?

सभ तऽ चाहैछ राम बनय
से हनुमान के बनतइ
भीड़ लागल छै वानर सेना
मुदा, सिन्धु के फनतइ ?

सभ तऽ अपने भूखल छै
अनकर पेट के भरतइ
डाँड़ अबाह छै अपने सभके
अनकर बाँहि के पुरतइ ?

अपने घर छै सभ ओझरायल
अनकर के सोझरेतइ
अपने ककरो बाट सुझै नहि
फेर के अनका बाट देखेतइ ?

बड़का छै एहिठाम सभ अपने
फेर के माथ झूकेतइ
सभ तऽ खाली फौ खेलय छै
फेर के घाम चुबेतइ ?

नाक मुनि सभ बाट चलैछै
बाटक गुँह के कटतइ
अपने-अपनी सभ मरै छै
अनका लेल के जीतइ ?

—  चंदन कुमार झा 
Previous Post Next Post