मिथिला एक भेल

कोसी महासेतु मुद्दा पर मिथिला समूचा देश केर मीडिया मे चर्चा केर विषय बनल. सभ समाचारपत्र एहि समाचार मे मिथिला कें विशेष रूप सँ उद्धृत कयलक अछि. कोलकाता केर सभ पत्र अपन समाचार मे मिथिला एक भेल सन पंक्ति उपशीर्षक बनओलक आ एकरे केन्द्रित क' समाचार बनओलक. दैनिक जागरण केर कोलकाता संस्करण मे एहि समाचार कें तेना ने प्रस्तुत कयल गेल छल जे एकर मिथिला विरोधी होयबाक चुगली क' रहल छल. एक्कहु ठाम मिथिला केर उद्धरण नहि छल. एक-दू ठाम कोसीवासी आदि शब्द प्रयोग कयल गेल छल. हमरा जनैत बिहार केर मीडिया मिथिला केर कमजोर करबा हेतु फाँर बान्हि नेने अछि. ओना विशेष क' दैनिक जागरण मिथिला क्षेत्र कें कोसी क्षेत्र, सीमांचल, मिथिलांचल, अंगप्रदेश, वज्जिकांचल आदि रूपें विभक्त क' लिखैए. एकर पाछू की कोनो खड्यंत्र त' नहि अछि? जय मैथिली.
Previous Post Next Post