मिथिला महोत्सव 2012: कलकत्ता मे मैथिल कलरव

mithila-mahotsava-2012

मैथिलक कासी-कावा मे फेर धीपल तावा! मिथिला विकास परिषद् पूर्व घोषित कार्यक्रमक रूपरेखा तैयार क' लेलक अछि. महोत्सवक उद्घाटन 29 जुलाइ 2012 कें महाजाति सदन मे केंद्रीय मंत्री मैथिल प्रेमी बंगपुत्र सुदीप बंद्योपाध्याय द्वारा होयत. तत्पश्चात 12 ओ 19 अगस्त 2012 कें सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कयल जायत. 

ज्ञात हो जे 22-25 दिसम्बर धरि चारि दिवसीय नाट्य महोत्सव आयोजित अछि. 6 ओ 13 जनवरी 2013 कें गिरीश पार्क ओ तारासुन्दरी पार्क मे सांस्कृतिक आयोजन राखल गेल अछि. ई जनतब मिविप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा सार्वजनिक कयलनि.

जुलाइ 2012 सं जनवरी 2013 धरि चलयवला एहि मियादी मिथिला महोत्सव केर घोषणा सं मैथिली भाषी लोकनि मे अजबे उत्साह देखबा मे आबि रहल अछि. एहि कार्यक्रम मे साहित्यकार, नाटककार, कलाकार आदि केर जमघट त' रहबे करत संगहि बॉलीवुड हस्ती सभक अयबाक चर्चा जोर पकड़ने अछि. कहल जा रहल अछि जे गायक उदित नारायण झा, फिल्म निर्देशक प्रकाश झा, अभिनेता शेखर सुमन, मनोज वाजपेयी केर संगहि अन्यान्य लोकनि एहि महोत्सव मे आबि सकैत छथि.

उल्लेखनीय अछि जे मिथिला विकास परिषद् प्रत्येक वर्ष गिरीश पार्क ओ तारासुन्दारी पार्क मे कार्यक्रमक आयोजन करैत अछि. एहि बेर मिथिला महोत्सवक आयोजन एहि मे नव अध्याय जुड़ल अछि. 

- - - - - 

मिथिमीडिया एहि कार्यक्रमक ऑनलाइन पार्टनर छल. ई न्यूज मिथिमीडिया द्वारा 10 जुलाइ 2012 कें प्रसारित कएल गेल छल. ई पहिल समाद अछि जे हमरा लोकनि ऑनलाइन पाठक संग शेयर केने छलहुं. ओना जनतब हो जे मिथिमीडिया केर औपचारिक शुरुआत 15 अगस्त 2012 कें भेल छल.

नीचां मिथिमीडिया केर शुरुआती LOGO देल अछि:

Previous Post Next Post