मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बजलाह 'मैथिली', वीडियो वायरल!

बिहार सरकारक छवि मिथिला-मैथिली विरोधी बनल अछि. ई कोनो एक दिन या एक साल मे नै भेलैए. मिथिला मे मग्गह केर शासन अछि ई लोकक आम धारणा भेल जा रहल अछि. मिथिला क्षेत्र प्रतिभा, संस्कृति आ संसाधनक धनी अछि तथापि विपन्न भेल अछि, एहि मे बिहार सरकारक लगातार उदासीनताक एकटा पैघ भूमिका छै. 

बीतल कतेको दशक सं मिथिलाक समृद्ध संस्कृतिक कब्र खोधि जातिवादी राजनीतिक गाछ ठाढ़ कएल गेल अछि. जगरनाथ मिसिर, लालू यादव सं जे शुरू भेलैक से नीतीशक रीजन मे कम भेलैक अछि मुदा मिथिलाक उपेक्षाक जे आरोप बिहार सरकार पर रहल अछि, तकरा नीतीशो कुछुओ कम नै क' सकलाह.

नीतीश जुमला जे मिथिला कें ल' क' अछि से आब मजाक बनय लागल अछि. नीतीश मिथिलाक सब सभा मे बजैत छथि - 'मिथिला के विकास के बिना बिहार का विकास संभव नहीं है और बिहार के विकास के बिना देश का विकास संभव नहीं है!'

एहि सुग्गा रटंत केर कोनो परिणाम नै देखि आब ई मजाक बनि क' रहि गेल अछि. एहिना राजधानी दिल्ली मे एक मैथिली संस्थाक कार्यक्रम मे उपस्थित भ' नीतीश फेर ई जुमला दोहरेलाह. संगहि एहि सभा मे ओ अपन वक्तव्य मैथिली मे द' लोक कें अचंभित केलनि.

ओना प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जहिया कहियो मिथिला भरि मे कतहु सभा करैत छथि त' मैथिली बजबेटा करैत छथि. खाहे सभा सहरसा मे हो वा दड़िभंगा मे. निश्चय ई मोदीक इफेक्ट अछि जे बिहारी नेता सब कें सेहो स्थानीय भाषाक महत्व कें बुझबा मे मदति भेल अछि.

एकरा एहू अर्थ मे देखि सकैत छी जे प्रधानमंत्री भेलाक बादो गुजरात राज्य केर चुनाव मे मोदी अपन सभा मे गुजराती मे भाषण देइत छलाह आ देशक राष्ट्रीय चैनल सभ सभा कें लाइव प्रसारण करैत छल. बिहारक कोनो नेता ई नै कहि सकैत अछि जे ओकरा मैथिली नै अबै छै. जओं कोनो बिहारी नेता कें सब सं बेसी जनसंख्याक भाषा मैथिली नै बाजए वा बूझए अबैत छै त' ओकर अयोग्यते छै आओर किछु नै.

एखन नीतीश कुमारक ई मैथिली भाषणबला वीडियो देखल जाए, जे सोशल मीडिया पर वायरल भ' रहल अछि.




Previous Post Next Post