राजकमलक कथा पर बनल अछि फिल्म ललका पाग


सहरसा/दड़िभंगा: मैथिलीमे एखन लगातार फिल्म निर्माण भ' रहल अछि. किछु फिल्म पर्दा धरि अबैत अछि आ किछु नानाविध समस्या चलते अटकि जाइए. मुदा जे हो एक बाट त' फुजल छै. एक आस त' जागल छै. 2015केर पहिल मैथिली फिल्म बनिक' तैयार अछि. राजकमलक कथा पर आधारित ई फिल्म मकर संक्रांतिक बाद रिलीज होयत.

नारीक त्याग, समर्पणक कथानक पर आधारित एहि फ़िल्मक निर्देशक छथि प्रशान्त नागेन्द्र. निर्माता छथि रत्नेश शाह. गुजराती मूलक रत्नेश मिथिलाक संस्कृति आ भाखासं बेस प्रभावित भ' फिल्म बनओलनि अछि आ ई एक शुभ संकेत अछि मैथिली फिल्म उद्योग लेल. 

फ़िल्मक नायक छथि रोशन राज, श्वेता वर्मा ओ मीना गौतम नायिकाक भूमिकामे छथि. फिल्ममे मैथिलीक सुपरिचित कलाकार प्रेमलता मिश्र प्रेम ओ रामसेवक ठाकुर सेहो नीक भूमिकामे छथि. संगीत सीताराम सिंह केर छनि. कुणाल ओ ह्रदय नारायण झा केर लिखल गीत उदित नारायण झा, नंदिता चक्रवर्ती आदिक स्वरमे अछि. मैथिलीमे विशाल साहित्य भंडार अछि आ फ़िल्मक माध्यमसं लोकक समक्ष नीक कथा रखने दर्शक वर्ग तैयार करबामे मदति भेटतैक.

फ़िल्मक ट्रेलर : https://www.youtube.com/watch?v=He-YaUdr7C4

(रिपोर्ट : अमित आनंद)
Previous Post Next Post