मिथिलाक बेटी, जे लीक सं हटि क' बनओलनि परिचिति


मिथिला मे अदौ सँ एहन नारि लोकनि भेलीह जे लीक सँ फराक भऽ काज कएलनि आ ताहि हेतु प्रेरणा देइत रहलीह. आ से ई क्रम गार्गी सँ भऽ चन्दना, भारती, लखिमा, विश्वास देवी होइत आइयो अनवरत काएम अछि. 

एहिठाम प्रस्तुत अछि किछु एहने मिथिलाक बेटी जे लीक सँ हटि काज करैत अपन परिचिति बनओलनि आ एखनो ताहि बाट पर काज क रहल छथि :

1) लिली रे मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार छथि. अपन लेखन मे ई ओहि विषय सभ पर कलम उठओलनि जाहि पर पुरुषो समाज लिखबा सँ परहेज करैत छल. एतबे नहि, नेनपने सँ ई घोड़सवारी, खेल आदि मे सेहो रुचि रखैत छलीह.

2) प्रेमलता मिश्र प्रेम मैथिली रंगमंच ओ सिनेमाक उत्तम कलाकार छथि. जाहि समय मैथिलानी एहि क्षेत्र मे नै अगुआइत छलीह ताहि समय ई आगाँ आबि काज आरंभ केलनि.

3) मृदुला मिश्र उच्च न्यायालयक न्यायाधीश रहल छथि.

4) किसान चाची राजकुमारी देवी अपना बल पर खेती आ गृह उद्योग चला अपनो आत्मनिर्भर भेलीह आ आओरो अनेको महिला कें आत्मनिर्भर बनओलनि अछि.

5) अनुराधा ठाकुर भारतीय प्रशासनिक सेवाक वरिष्ठ अधिकारी छथि. हिनका यूपीएससी केर परीक्षा मे चारिम स्थान भेटल छलनि.

6) अरुणा मिश्र देशक प्रमुख मुक्केबाज रहल छथि.

7) भावना कण्ठ लड़ाकू हवाइ जहाज उड़ओनिहारि देशक पहिल पायलट छथि.

8) शिवांगी सिंह भारतीय नौसेनाक पहिल महिला पायलट छथि.

9) पूजा यादव कराटे मे नीक नाम कमेलनि अछि.

10) परम्परा ठाकुर बॉलीवुड मे संगीतकारक रूप मे अपन परिचिति बनओलनि अछि.

ई सूची एतबे टा नहि अछि!

— मिथिलेश कुमार झा
Previous Post Next Post