आरके कॉलेज केर सेवानिवृत्त प्राध्यापक डॉ. वेदनाथ झा केर निधन


मधुबनी जिलाक पंडौल प्रखंड अंतर्गत नाहर गाम निवासी मैथिलीक प्रख्यात विद्वान डॉ. वेदनाथ झा केर देहावसान सं शोक पसरल अछि. डॉ. झा आरके कॉलेज केर सेवानिवृत्त प्राध्यापक छलाह आ पछिला किछु साल सं बेमार छलाह. बीतल बृहस्पतिदिन ओ अपन आवास पर भोरे-भोर अंतिम साँस लेलनि. हिनक मृत्युक समाचार सोझाँ अबैत देरी समस्त गाम आ आसपासक क्षेत्र सहित साहित्य आ शिक्षा जगत मे शोक पसरि गेल.

वेदनाथ बाबू अनेक भाषाक विद्वान आ साहित्यकार छलाह. आरके कालेज, मधुबनी मे मैथिलीक पूर्व विभागाध्यक्ष रहल प्रोफेसर झा मैथिली मे सेहो कतेको पुस्तक लिखने छथि. राज्य आ राष्ट्रीय स्तर पर विभिन्न मंच पर सेहो भाषाक प्रतिनिधित्व कएने छथि. हिनका बहुत रास प्रतिष्ठित सम्मान सं विभूषित कएल गेल छनि. करीब अढाइ दशक पूर्व सेवानिवृत्त भेलाक बादो लेखन आ साहित्यिक कार्य सँ निरन्तर जुड़ल रहैत छलाह.

शिक्षा क्षेत्र सं जुड़ल लोक सब हिनका बेस सम्मान सं देखैत छनि. डा. झा अपन पत्नी सहित भरल-पूरल परिवार छोड़ि गेलाह अछि.  हुनक निधन पर शिक्षक प्रभात कुमार झा, कैलाश कुमार झा आदि ग्रामीण गहींर शोक व्यक्त करैत हुनक मृत्यु कें शिक्षा जगत लेल अपूरणीय क्षति बतौलनि अछि.

स्रोत : विज्ञप्ति 
Previous Post Next Post