नेपाल रॉयल पैलेस हत्याकांड: जखन राजमहल मे मारल गेल राजा सहित पूरा परिवार

nepal-royal-palace-hatyakand

1 जून, 2001 कें नेपाल मे बहुत बड़का अन्हेर भेल छल. ठामहि राजमहल मे राजा सहित राजपरिवार कें समाप्त क' देल गेल. समूचा दुनिया एहि घटना सं हतप्रभ छल जे अचक्के एहन की भेलै जे हंसैत-खेलाइत राजपरिवार खूने-खून भ' गेल. नेपालक राजमहल मे भेल सामूहिक हत्याकांड मे राजा, रानी, राजकुमार आ राजकुमारी मारल गेल.

घटनाक बारे मे कहल जाइछ जे नेपालक राजकुमार दीपेंद्र अपन पिता आ नेपालक राजा बीरेंद्र बीर बिक्रम शाह, मां  एश्वर्य सहित 9 गोटेक गोली मारि क' हत्या क' देने छल. दीपेंद्र स्वयं कें सेहो गोली मारने छल. घटनाक तीन दिन बाद दीपेंद्र केर मृत्यु सेहो भ' गेल छल. एहि प्रकारें सम्पूर्ण परिवारक नाश भ' गेल छल. 

नेपालक राजकुमार दीपेंद्र ई काज किए केलनि, कहब बड्ड कठिन अछि. पब्लिक कएक तरहक बात सब करैत अछि. मुदा नेपाल राजपरिवारक विषय मे आधिकारिक जानकारी कें मानी त' राजकुमार दीपेंद्र अपन पसिनक लड़की सं विवाह करए चाहैत छलाह जे कि शाही परिवार कें मंजूर नै छल. तामस मे दीपेंद्र राजमहल मे अपन परिवार पर गोलीक बौछार क' देलनि. एहि वीभत्स हत्याकांडक बाद दिवंगत राजाक भाइ ज्ञानेंद्र बीर बिक्रम शाह नेपालक नव राजा बनल छलाह. 

ज्ञात हो जे 7 जून, 1971 कें जनमल दीपेंद्र काठमांडू, इंग्लैंड आदि ठाम सं पढ़ल छलाह। बाद मे नेपालक त्रिभुवन यूनिवर्सिटी आ मिलिट्री एकेडमी ज्वाइन केलनि. ओ त्रिभुवन यूनिवर्सिटी सं पीएचडी केने छलाह आ नेपाल आर्मी सं मिलिट्री ट्रेनिंग सेहो लेने छलाह. 1 जून  2001 कें नेपालक राजमहल मे डिनर करैत दीपेंद्र क्रोध मे आबि राजा बीरेंद्र, महारानी एश्वर्य, राजकुमार निरंजन, राजकुमारी श्रुति केर हत्या क' देलक.

- - - 

इहो पढू:



(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)
Previous Post Next Post