मैथिली गायन क्षेत्र मे कोलकाता प्रवासी मध्य अंजना इस्सर कोनो परिचय केर मोहताज नै छथि. बीतल कुछु साल मे ई देश-विदेशक कतिपय मंच सहित टीवी पर सेहो अपन प्रतिभाक परिचय देलनि अछि. लगातार अभ्यास सं हिनक गायिकी जेना आगू बढ़ल अछि, ओहि सं संगीत प्रेमी लोकनि कें बेस आश्वस्ति भेटैत अछि.
हर्षक बात अछि जे बेगूसराय जिलाक झमटिया धाम मे हिनका सम्मानित कएल गेल अछि. गंगा महोत्सवक अवसर पर आयोजित सांगीतिक अनुष्ठान मे हिनका केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह हाथे सम्मानित कएल गेलनि अछि. एहि आयोजन मे देवानंद झा, सत्येंद्र कुमार संगीत, वंदना सिंह, शिवेश मिश्रा आदि कलाकार लोकनि सेहो अपन गायिकी सं स्रोता कें भावविभोर केलनि.
भारी संख्या मे कांवरिया लोकनि भजनक आस्वादन केलनि आ वातावरण बाबाक जयघोष सं गुंजायमान रहल. एहि अवसर पर जिला प्रशासनक अधिकारी लोकनि सेहो उपस्थित छलाह.

अंजना इस्सर एहिना हमरा लोकनि कें गौरवबोध करबैत रहथि, मिथिमीडिया दिस सं अशेष शुभेच्छा!
#MithiEvents
Connect