पदावली: मैथिली कविता कें समर्पित प्रयास

भाषा-साहित्य केर प्रचार-प्रसार मे लागल मिथिमीडिया कविता कें समर्पित प्रयास पदावली शुरू केने अछि. एहि माध्यम सं कविता कें ऑनलाइन कम्युनिटी लग परोसल जाइत अछि. एतबे नै, ठाम-ठाम अनुष्ठान आदि सेहो कएल जाइत अछि.

मैथिली मे स्तरीय कविगोष्ठी करेबाक हेतु व्यक्ति/संस्था हमरा लोकनिक संग पार्टनरशिप क' सकैत छथि. पदावली केर माध्यम सं मिथिलाक भाषा-संस्कृति कें प्रवाहमान रखबाक प्रचेष्टा सं जुड़ी, जुड़ल रही. अपन भाषा मे कविताक आनंद लेइत रहबाक लेल कनेक्टेड रही.

एखन हमरा लोकनि दूटा ऑनलाइन सीरीज क' रहल छी जे मिथिमीडिया केर फेसबुक आ यूट्यूब पर प्रसारित होइछ. अपने ई कार्यक्रम पदावली केर फेसबुक पेज पर सेहो देखि सकै छी.  

हम्मर कविता हमरे स्वर: एहि पोएट्री सीरीज अंतर्गत अपनेक सोझां आनल जाइत अछि, कवि लोकनिक कविता हुनकहि स्वर मे. एकर किछु कड़ी प्रसारित भेल अछि जे #हम्मरकविताहमरेस्वर हैशटैग सं ताकल जा सकैछ. पदावली अथवा मिथिमीडिया पेज पर छी त' आसानी सं देखि सकैत छी.

पदावली विद रूपेश त्योंथ: मैथिली कविता सं जुड़ल चर्चा, बातचीत ओ पाठ आदि पर आधारित ई कार्यक्रम रूपेश त्योंथ ल' क' अबैत छथि. एकरो किछु कड़ी प्रसारित भेल अछि जे अपने देखि सकैत छी.

हम सब पदावली लेल टाइटल स्पांसर ओ प्रसारित होमएबला सीरीज सब लेल एपिसोड स्पांसर ताकि रहल छी. कोनो विषयक बातचीत लेल mithimedia@gmail.com पर इमेल पठाबी. 

मैथिली भाषाक प्रचार-प्रसार हेतु हमरा लोकनि अपने सं सहयोगक अपेक्षा रखैत छी. वेबसाइट पर बहुमूल्य समय देबाक लेल अपने कें धन्यवाद. 

चलू संगे किछु डेग जे वेब पर मैथिली कें बेहतरी दिस ल' जाएत.

- - - - - - - - - - -
पदावली is a community for promoting and producing spoken word poetry in Maithili Language.

मिथिमीडिया यूट्यूब चैनल सब्सक्राइब करी.
Previous Post Next Post