कोकिल मंच: मैथिली नाटक 'बेलक मारल' केर मंचन

मैथिली नाट्य संस्था 'कोकिल मंच' अपन 28म वार्षिकोत्सव रविदिन 29 अप्रील कें मनओलक. एहि अवसर पर मंच द्वारा 36म नाट्य प्रस्तुति देल गेल. कलकत्ताक कलाकुंज (कलामंदिर) मे समारोह आयोजित भेल जाहि मे नाट्यप्रेमी लोकनिक नीक जुटानी देखल गेल. एहि अवसर पर गंगा झा केर निर्देशन मे सुधांशु शेखर चौधरी लिखल मैथिली नाटक 'बेलक मारल' केर मंचन कएल गेल.


नाटक शुरू होमए सं पहिने नवांकुर कला प्रतिभा कें प्रोत्साहन पुरस्कार देल गेल. ज्ञात हो जे मंच द्वारा कला-प्रतिभा हेतु वार्षिक पुरस्कार सुशीला चौधरी कला प्रोत्साहन पुरस्कार केर स्थापना एही साल सं भेल अछि. एहि बेर ई पुरस्कार सुरभि झा, रौशन कुमार झा ओ रोहित राय कें प्रदान कएल गेलनि. हिनका लोकनि कें पुरस्कार स्वरूप दू हजार टाका ओ प्रशस्ति पत्र देल गेलनि.

कार्यक्रमक संचालन करैत किरण झा आह्वान केलनि जे कलाक प्रति जिनका किनको रुचि हो से मंच सं जुड़थि. विशेष क' नवतुरिया कला प्रतिभा कें मंच प्रोत्साहित करबा ओ उचित मार्गदर्शन हेतु कटिबद्ध अछि.


वार्षिकोत्सवक अवसर पर कोकिल मंच दिस सं स्मारिका सेहो विमोचित कएल गेल. साहित्य ओ क्रियाकलापक सूचनादि सं भरल ई स्मारिका मंच दिस सं सालाना निकलैत अछि आ संग्रहणीय अछि.


Previous Post Next Post