आब बिहार संपर्क क्रांति आ स्‍वतंत्रता सेनानी एक्‍सप्रेस पर साजत मिथिला पेंटिंग!

मधुबनी स्टेशन मिथिला पेंटिंग सं सजल छल आ से खूब चर्चा सेहो बटोरलक. आब खबरि अछि जे रेलवे बिहार संपर्क क्रांति आ स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसक बोगी कें मिथिला पेंटिंग सं सजाओत. पूर्व- मध्य रेलवे (समस्तीपुर)क मंडल रेल प्रबंधक (डीआरएम) आरके जैन जनतब  देलनि अछि जे  ने कहा कि बिहार एहन प्रस्ताव रेलवे बोर्ड कें पठाओल जा रहल अछि.

मधुबनी रेलवे स्टेशन पर मिथिला पेंटिंग केर सजाओट निरीक्षणक दौरान डीआरएम जैन कहलनि. ओ कहलनि जे ट्रेन पर सजने दोसर प्रान्तक लोक ई पेंटिंग देखि सकताह आ एकर विकासक संभावना बढ़त. 

ओ कहलनि अछि जे देश स्तर पर रेलवे स्टेशन सभ मे मधुबनी स्टेशन कें सब सं सुंदर रेलवे स्टेशनक रूप मे स्थान दिएबा लेल प्रयास जारी अछि. जयनगर-दरभंगा रेलखंडक सब स्टेशन कें पेंटिंग सं सजाओल जाएत.

मिथिला पेंटिंग देशे नै विदेशहु मे पहिचानल जाइत अछि. रेलवेक माध्यम सं वास्तव मे देशक कोन-कोन मे लोक एहि विशिष्ट पेंटिंग कें जानि सकत.


Previous Post Next Post