सुआइत Google प्ले स्टोर सं हटओलक UC Browser कें!


Google अपन प्ले स्टोर सं UC Browser कें हटा देलक अछि. प्रमोशन कें एकर कारण बताओल गेल अछि.

चाइनीज कंपनी अलीबाबा केर ब्राउजर कंपनी यूसी ब्राउजर बहुते फेमस अछि आ एकर समूचा दुनिया मे 50 करोड़ लोक उपयोग करैत अछि. सब सं बेसी 10 करोड़ लोक भारत मे एकर उपयोग करैत अछि. गूगल एकरा अपन प्ले स्टोर सं हटा देलक अछि.

एकर कोनो आधिकारिक बयान नै आएल अछि, मुदा गलत तरीका सं कएल गेल प्रमोशन एकर कारण भ' सकैत अछि. यूसी ब्राउज़र केर कर्मचारी सेहो हटाओल जेबाक पुष्टि करैत ट्वीट केलनि अछि.

गूगल दिस सं यूसी ब्राउज़र कर्मचारी कें देल इमेल मे कहल गेल अछि जे यूसी ब्राउजर कें प्ले स्टोर सं 30 दिन लेल हटा देल गेल अछि. जें कि यूसी 'गलत तरीका' सं प्रमोशन क' डाउनलोड बढ़ेबाक चेष्टा क' रहल छल, एकरा हटा देल गेल अछि.
Previous Post Next Post