मिथिला पेंटिंग सं बिहुंसि रहल अछि मधुबनी टीसन


मधुबनी टीसन एम्हर किछु दिन सं चर्चा मे बनल अछि. अव्यवस्था आ गंदगी लेल फेमस ई रेलवे स्टेशन यात्री लोकनि कें एखन अचंभित क' रहल अछि, जखन ओ लोकनि मिथिला पेंटिंग सं चकाचक स्टेशन देखैत छथि. एहन नै छै जे एहि स्टेशन पर पहिल खेप ई पेंटिंग लागल अछि. एहि सं पहिनहुं कलाकृतिक किछु नमूना स्टेशन पर देखबा मे अबैत छल. मुदा यात्री ई देखि चकित होइ छथि जे पूराक पूरा स्टेशनक देवाल पेंटिंग सं सजल अछि.


मधुबनी रेलवे स्टेशनक देवाल पर गैर सरकारी संस्था 'क्राफ्टवाला' केर प्रयास सं लगभग 7,000 वर्गफीट सं बेसी क्षेत्रफल मे मिथिला पेंटिंग बनाओल गेल अछि. सय सं बेसी कलाकार टीसन पर चित्रकारी मे भाग लेलनि, जाहि मे रेलवे सेहो सहयोग केलक अछि. संस्थाक संयोजक आ मधुबनीक ठाढ़ी गाम निवासी राकेश कुमार झा कहैत छथि जे ई विश्व रिकार्ड बनि सकैत अछि.



कलाकार सभ द्वारा टीसनक देवाल पर अलग-अलग थीम पर मिठिया पेंटिंग बनाओल गेल अछि. रेलवे टीसन पर ई चित्रकारी एकरा दर्शनीय स्थल जकां बना देलक अछि. आब एकरा सुरक्षित-संरक्षित करब चुनौतीपूर्ण काज अछि, जाहि पर रेलवे अधिकारी कें धियान देबाक आवश्यकता अछि.


एहि काज हेतु 'क्राफ्टवाला' आ कलाकारक लोकनिक जतेक प्रशंसा कएल जाय से कम अछि. ई एकटा डेग मिथिलाक बहुविधा मे काज केनिहार लोक सभ लेल एक उदाहरण अछि जे प्रयास केने मिथिलाक पावन कला-संस्कृति ओ भाखा जे मिथिलो मे उजरल-उपटल अछि, पुनः स्थापित भ' सकैत अछि.
Previous Post Next Post