तीन दिवसीय राष्ट्रीय लोक उत्सव मे जुटलाह मिथिला सहित देशभरिक कलाकार


लगातार तीन दिन सं मधुबनीक भटसिमरि मे राष्ट्रीय लोक उत्सव कें ल' लोक कलाकार ओ कलाप्रेमीक जमघट लागल रहल. अछिंजल ओ नारी उद्गार संस्थान संगहि संस्कृति मंत्रालयक संयुक्त प्रयासें आयोजित भेल 'राष्ट्रीय लोक उत्सव' मे मिथिला सहित देशभरिक कलाकार शामिल भेलाह. 27 सितम्बर 2017 कें बिहार सरकारक पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामत द्वारा उद्घाटन सं शुरू भेल कार्यक्रम 29 सितम्बर 2017 कें कलाक विभिन्न रंग नेने संपन्न भेल.



कार्यक्रमक तेसर दिन कारुख महाराय-जट-जटिन गायन, झिझिया-डांडिया नृत्य, कबीरा ओ आल्हा गायनक संगहि आधुनिक मैथिली लोकगीतक प्रस्तुति भेल. एकर संगहि 'अछिंजल' द्वारा प्रवीण कुमारक निर्देशन मे मैथिली नाटक 'छुतहा घैल' केर मंचन, मध्यप्रदेशक कलाकारक द्वारा नाटक 'एकलव्य केर मंचन कएल गेल. एहि अवसर पर आरा जिलाक कलाकार बिदेसिया लोक नाट्य प्रस्तुत केलनि. 



एहि अवसर पर जिलाक कलाप्रेमी सहित पाहुन लोकनि उपस्थित छलाह। ई कार्यक्रम मिथिला कें लोककलाक क्षेत्र मे नव परिचिती देबाक काज केलक अछि. तीन दिवसीय कार्यक्रम मे देशभरिक लोक संगीत, गीत, नाट्य आदि विभिन्न कलाक संगम देखल गेल.

#MithiEvents

Previous Post Next Post