15 अगस्त कें रिषड़ा मे 'चेतना समारोह'


आने साल जकां एहू साल 15 अगस्त कें महानगर कोलकाताक उपनगरीय क्षेत्र रिषड़ा मे 'चेतना समारोह' आयोजित होएत. एहि अवसर पर स्मारिका विमोचन सेहो कएल जाएत. स्मारिका मे पर्याप्त साहित्यिक रचना प्रकाशित होइत अछि, जाहि सं साहित्यिक ओ पाठक लोकनि मे एहि स्मारिका कें ल' खूब जिज्ञासा रहैत अछि.

स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर आयोजित होमएबला ई कार्यक्रम दिनक 4 बजे सं शुरू होएत, जाहि मे 'मिथिला नवचेतना समिति'क नव कार्यकारिणीक औपचारिक घोषणा कएल जाएत. 

कार्यक्रमक अंतिम सत्र मे कविगोष्ठी आयोजित होएत. गोष्ठी मे महानगर ओ उपनगरीय क्षेत्रक मैथिली कवि लोकनि भाग लेताह. एहि कार्यक्रम मे हुगली नदीक दुनू कात निवास केनिहार मैथिलीकर्मी लोकनिक जुटानी होइत अछि.

रिषड़ा रेलवे स्टेशनल 3 नं. फाटक सं सटले रूपसी बांग्ला (खाबार घर) प्रेक्षागृह मे 'चेतना समारोह' केर आयोजन राखल गेल अछि. ई कार्यक्रम मिथिला नवचेतना समितिक स्थापना दिवसक रूप मे मनाओल जाइत अछि. अवसर पर विद्वतजन अभिभाषण बेस महत्व रखैत अछि.



उक्त कार्यक्रम 'मिथिमीडिया' ऑनलाइन मीडिया पार्टनर अछि. अपने लोकनि आबि मैथिली-मिथिलाक प्रति चेतना जगेबाक एहि जाग मे समिलात होइ, से अनुरोध अछि. ज्ञात हो जे एही 15 अगस्त कें मिथिमीडिया अपन स्थापनाक 5 वर्ष पूरा क' रहल अछि.




Previous Post Next Post