भारतीय लेखकक ऑनलाइन Who's who


साहित्य अकादेमी भारतीय लेखकक जनतब ऑनलाइन क' देलक अछि. अकादेमी द्वारा निकालल जाएबला Who's who केर पांचम संस्करण 2015 सं ऑनलाइन रूप मे उपलब्ध अछि. 

एतय मान्यताप्राप्त भाषा सबहक अधिक सं अधिक लेखकक जनतब एकठाम राखल गेल अछि. एकर परिवर्द्धन अकादेमी समय-समय पर करैत अछि. जनतब ऑनलाइन-ऑफलाइन दुनू तरहें जुटाओल जाइत अछि. 

सर्चक ऑप्शन देल अछि जाहि माध्यम सं विभिन्न फ़िल्टर उपयोग क' लेखकक विषय मे जानकारी लेल जा सकैत अछि.


मैथिली भाषा सं फ़िल्टर कएला पर एखन गोट 96 रिजल्ट देखा रहल छै. माने एतेक रास मैथिली लेखकक जनतब सूचि मे छै. 

एहि सूचि कें बढ़ेबाक हेतु अपने सेहो मैथिली लेखकक जनतब ऑनलाइन वा ऑफलाइन माध्यम सं जमा क' एकर संवर्द्धन मे योगदान क' सकैत छी.

सूचिक लिंक ई अछि : http://bit.ly/2ovv8Zm
Previous Post Next Post