अकासतर बैसलाह साहित्यकार, कविताक बहल रसधार


कलकत्ता : मैथिली कविता कें समर्पित अनौपचारिक गोष्ठी 'अकासतर बैसकी'क आयोजन विगत रविदिन 6 मार्च 2016 केँ कोलकाताक साल्टलेक अवस्थित सिटीसेंटरक सुरम्य प्रांगणमे सफलतापूर्वक भेल. वर्ष 2016 मे आयोजित 'अकासतर बैसकी'क एहि तेसर गोष्ठीक अध्यक्षता विशिष्ट वैज्ञानिक आ ख्यातिलब्ध साहित्यकार योगेंद्र पाठक 'वियोगी' कयलनि. 

युवा कवि चन्दन कुमार झाक संयोजकत्व मे आयोजित एहि बैसकी मे आमोद कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा, रूपेश त्योंथ, विजय इस्सर, भास्कर झा आ चन्दन कुमार झा बेर-बेरी अपन-अपन स्वरचित कविताक पाठ केलनि. बैसकीक अध्यक्ष वियोगी सेहो एकर आयोजन पर प्रसन्नता व्यक्त करैत अपन स्वरचित कविता पढ़लनि. 

एकर अलावे मध्ययुगक वैष्णव पद रचयिता राय वसन्त आ बलराम दासक पद, नारायणजीक सद्यः प्रकाशित कविता संग्रह 'धरतीपर देखू'क दू टा कविताक आवृति चन्दन कुमार झा कयलनि.  तहिना किरण झा, रूपेश त्योंथ आ भास्कर झा चन्दन कुमार झाक बाल कविता संग्रह ' बिहुँसि रहल अछि अमलतास'क कतिपय कविताक आवृति कयलनि. कार्टूनिस्ट सन्तोष मिश्र बैसकीक फॉर्मेट सं आह्लादित भ' एकर निरन्तर आयोजनक शुभेच्छा व्यक्त करैत जीवन मे कविताक महत्त्व आ कविताक विकास लेल एहि तरहक आयोजनक महत्ता पर प्रकाश देलनि. 'अकासतर बैसकी'क एहि सफल आयोजनक सुरुचिपूर्ण संचालन साहित्यसेवी भास्कर झा द्वारा कयल गेल. 

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post