गीत गाएब अपराध नै, आरोप निराधार : पूनम मिश्र


मधुबनी : मैथिलीक लोकप्रिय गायिका पूनम मिश्र नव वर्षक शुभकामना संग अपन बात फेसबुक पेज पर रखलनि अछि. ओ आरोप कें निराधार बतबैत दुःख व्यक्त केलनि अछि. पूनमक अनुसार एहि तरहक आरोप कलाकारक मनोबल तोड़बा लेल कएल गेल अछि. 


विगत सप्ताह एकटा न्यूज पोर्टल सुरेश पंकज दिस सं गायिका पर गीत चोरी करबाक आरोप लगओने छल. एकर बाद मामिला मे पोर्टल द्वारा बैकटूबैक गायक सुरेश पंकज, गीतकार सुधीर झा केर साक्षात्कार प्रसारित कएल गेल त' गीतकार रामसेवक ठाकुर केर बयान सेहो. मुदा कतहु सं ई आरोप पूनम मिश्र पर नै छल, न्यूज कें सनसनीखेज बना परोसबा लेल आतुर पोर्टल सफाइ पर सफाइ देइत रहल, मामिला ओझरओबैत रहल.

की छै मामिला?
2003 मे गंगा कैसेट सं 'नवकी सजनिया' एल्बम आएल छल पूनम मिश्र आ कुञ्ज बिहारीक स्वर मे. एल्बम खूब हिट रहल छल आ पूनम केर गाओल गीत सेहो. कुञ्ज बिहारी मिश्र आ रामसेवक ठाकुर केर लिखल गीत स्वरबद्ध कएल गेल छल संगहि जाहि गीत केर गीतकारक नाओ उपलब्ध नै भ' सकल से 'मिथिला'क सौजन्य सं लेल गेल छल. संकलित गीत मे सं 'आबि जाउ कटनी मे गाम हे यौ सजना...'  गीतकार सुधीर झा केर रचना छनि, जे बाद मे स्पष्ट भ' सकल छल. ओना ई गीत विभिन्न गायकक स्वर मे एकाधिक बेर रिकार्ड भ' गेल छलै. 

दोखी के'?
ई त' स्पष्ट अछि जे पूनम मिश्र गीत गेलनि जे सुधीर झा केर लिखल अछि. प्रचलित गीत जकर गीतकारक नाओ अनुपलब्ध रहैछ, मिथिलाक सौजन्य सं लिखि गेबाक परम्परा रहल अछि. कैसेट मे गीतकार, म्यूजिक कंपनी सहित एक पूरा टीमक भूमिका रहै छै. आरोप गायिका पर कोना? गीत गाएब की कोनो अपराध छियै? एक नामचीन गायिका पर चोरीक आरोप लगाएब कतेक उचित? 

के' की कहलनि?
'हम ई गीत पहिने गेने छी आ पूनम मिश्र यएह गीत गाबि लोकप्रियता पओलनि. एक गीतकारक गीत बहुतो गायक गाबि सकैत छथि अहि मे कोनो रोक नहि छैक मुदा जे गीतक श्रृजनकर्ता छथि हुनकर नाम त' कम सं कम द' देल जाय'. 
— सुरेश पंकज (पोर्टलक अनुसार)

'गीत हमर लिखल छी. एहि गीत केर रिकार्डिंग पहिनहु भेल छै. गीतकारक नाम लिखल जेबाक चाही.' — सुधीर झा (पोर्टलक अनुसार)

'गीत हमर नै अछि. हमरा गीत नीक लागल छल आ हम पूनम कें गेबा लेल देने छलियै.'  रामसेवक ठाकुर (पोर्टलक अनुसार)

'बेकारक प्रसंग अछि. सुरेश पंकज हमर कएकटा गीत पाहुन कैसेट मे मिथिलाक सौजन्य सँ लिखबा क' गौने छथि. हमर दुर्गापूजा कैसेटक डुप्लीकेट अपना आवाज मे सूर्या कैसेट सं निकलबौलनि.'  डॉ. चन्द्रमणि

'पूनमजी शाश्वत स्वरक मल्लिका छथि. ई गीतकारक गलती अछि. गायिका पर आरोप ठीक नै.'  किसलय कृष्ण 

गीत गाएब चोरी कोना भ' सकैत छै? मिथिलाक सौजन्य सं लिखि गीत गाएब चोरी कोना भेलै. ई समस्त प्रकरण पूनम कें बदनाम करबाक एक साजिश अछि. 
 अक्षय आनंद सन्नी 

सनसनीखेज आ की सनकी?
सुरेश पंकज केर साक्षात्कारक अंश कें तोड़ि-मरोड़ि क' पूनम मिश्र पर गीत चोरी केर आरोप लगा न्यूज बनेबाक लेल पोर्टलक खूब निंदा कएल जा रहल अछि. पोर्टल स्पष्टीकरण द' रहल अछि मुदा से की मैथिली मीडियाक प्रति डोलल विश्वास लौटा सकत? 
Previous Post Next Post